झारखण्डमे बृहस्पति दिन राजनीतिक दल आ हस्ती सभ द्वारा शक्ति प्रदर्शनक दिन छल। विभिन्न सीटक लेल १०० सँ बेसी राजनीतिक हस्ती अपन नामांकन पत्र दाखिल कयलनि। शहरसँ कस्बा धरि दिन भरि रैली आ सभा चलैत रहल।
चारि राज्यक मुख्यमंत्री आ तीनटा केन्द्रीय मंत्री सहित कतेको शीर्ष नेता अपन-अपन दल आ गठबंधनक उम्मीदवारक पक्षमे जनतासँ वोट माँगलनि। नामांकन पत्र दाखिल करयवला प्रमुख उम्मीदवारमे झामुमोसँ साहिबगंज जिलाक बरहेट सीटसँ सीएम हेमंत सोरेन, नाला सीटसँ विधानसभा अध्यक्ष रवीन्द्रनाथ महतो, गांडेय सीटसँ कल्पना सोरेन आ रांची सीटसँ राज्यसभा सांसद महुआ माजी शामिल छथि।
भाजपाक तरफसँ बोकारो जिलाक चंदनकियारी सीटसँ नेता प्रतिपक्ष अमर कुमार बाउरी, रांची सीटसँ पूर्व विधानसभा अध्यक्ष आ पूर्व मंत्री चन्द्रेश्वर प्रसाद सिंह, पोटकासँ अर्जुन मुंडाक पत्नी मीरा मुंडा, जमशेदपुर पूर्व सीटसँ ओडिशाक राज्यपाल रघुबर दासक बहू पूर्णिमा दास साहू, गढ़वासँ पूर्व मंत्री भानु प्रताप शाही, कोडरमासँ पूर्व मंत्री नीरा यादव, सिसई सीटसँ पूर्व आईपीएस डॉ. अरुण उरांव, गुमलासँ पूर्व केंद्रीय राज्य मंत्री सुदर्शन भगत सहित कुल ३२ पार्टी उम्मीदवार अपन नामांकन दाखिल कयलथि।
तहिना कांग्रेस उम्मीदवारक रूपमे बृहस्पतिकेँ नामांकन दाखिल करय वाला प्रमुख उम्मीदवारमे जामताड़ासँ मंत्री डॉ. इरफान अंसारी, लोहरदगासँ मंत्री डॉ. रामेश्वर उरांव, जमशेदपुर पूर्वसँ कांग्रेसक राष्ट्रीय प्रवक्ता डॉ. अजय कुमार, जमशेदपुर पश्चिमसँ मंत्री बन्ना गुप्ता आ महगामासँ मंत्री दीपिका पांडेय सिंह प्रमुख छथि।
नामांकन दाखिल करयवला आजसू उम्मीदवारमे गोमियासँ लम्बोदर महतो, लोहरदगासँ नीरू शान्ति भगत आ जुगसलाईसँ रामचन्द्र साहिस सम्मिलित छथि। राजदसँ कोडरमा सीटसँ सुभाष प्रसाद यादव आ समाजवादी पार्टीक तरफसँ गढ़वा सीटसँ पूर्व मंत्री गिरिनाथ सिंह पर्चा भरलनि।
झारखण्डमे दू चरणमे १३ आ २० नवम्बरकेँ मतदान होयत। नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि पहिल चरणक लेल २५ अक्टूबर आ दोसर चरणक लेल २९ अक्टूबर अछि।