विधि-व्यवस्था

केजरीवालकेँ कोर्टसँ तत्काल राहत नहिं, अंतरिम जमानत पर निर्णय ५ केँ, आइ करए पड़त आत्मसमर्पण

नई दिल्ली
*

दिल्लीक मुख्यमंत्री आ आम आदमी पार्टीक प्रमुख अरविन्द केजरीवालकेँ राउज एवेन्यू कोर्ट जमानत देबासँ मना कऽ देलक अछि। केजरीवालक अंतरिम जमानत याचिका पर राउज एवेन्यू अदालतक आदेश ५ जूनकेँ आओत। एकर अर्थ अछि जे केजरीवालकेँ काल्हि आत्मसमर्पण करय पड़त आ ओ एक बेर फेर तिहाड़ जेल जयताह।

२७ मईकेँ केजरीवाल अपन अंतरिम जमानत सात दिन बढ़ेबाक माँग करैत सर्वोच्च न्यायालयक दरवाजा खटखटाने छलाह। केजरीवाल एकर पाछू अपन स्वास्थ्य कारणक हवाला देलखिन। ओ अदालतकेँ कहलनि जे पीईटी आ सीटी स्कैनक अतिरिक्त किछु आन परीक्षण करबाक अछि। एहि सब जांचक लेल हुनका सात दिनक जरूरत अछि।

आम आदमी पार्टी सेहो एकटा बयान जारी कऽ सूचित कयलक जे गिरफ्तारीक बाद केजरीवालक वजन सात किलो घटि गेल छल। ओकर कीटोनक स्तर बहुत बेसी अछि। ई कोनो गंभीर बीमारीक लक्षण भऽ सकैत अछि। एहन स्थितिमे केजरीवालक तरफसँ अंतरिम जमानत केर सात दिन बढ़ाबय केर मांग करैत याचिका दायर कयल गेल छल।

दिल्ली शराब नीति मामिलामे उलझल केजरीवालकेँ पछिला मासक आरम्भमे उच्चतम न्यायालयसँ राहत भेटल छल। सुप्रीम कोर्ट लोकसभा चुनावकेँ देखैत आम आदमी पार्टीक संयोजककेँ १ जून धरि अंतरिम जमानत देबाक निर्णय लेने छल। केजरीवालकेँ ईडी २१ मार्चकेँ दिल्ली आबकारी नीति २०२१-२२ मे कथित अनियमिततासँ सम्बन्धित धनशोधन जाञ्चक संबंधमे गिरफ्तार कयने छल।

सर्वोच्च न्यायालय केजरीवालकेँ अंतरिम जमानत दैत कहलक जे लोकसभा चुनावकेँ देखैत उदार दृष्टिकोण उचित अछि। हुनकर कोनो आपराधिक इतिहास नहिं अछि। ओ समाजक लेल खतरा नहिं छथि। हुनका पर गम्भीर आरोप जरुर अछि मुदा एखन धरि दोषी नहिं ठहराओल गेल अछि। अदालत केजरीवालकेँ निर्देश देलक जे ओ कोनो गवाहसँ गप्प नहिं करथि। हुनका लग आधिकारिक फाइलक पहुँच नहिं रहत। केजरीवालकेँ जमानती राशिक सङ्ग ५०,००० रूपैयाक जमानती मुचलका प्रस्तुत करय पड़त।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *