रोजगार

नीतीश कुमारक ‘मेडल लाओ-नौकरी पाओ’ योजना, ३४२ खेलाड़ीकेँ भेटल नौकरी, आब एसडीओ-डीएसपी बनबाक मौका

पटना
*

वर्ष २०२३-२४ मे पदक लाओ-नौकरी पाओ योजनाक अन्तर्गत ७१ उत्कृष्ट खेलाड़ीकेँ विभिन्न सरकारी विभागमे क्लास वन सरकारी नौकरीक लेल बिना परीक्षा आ साक्षात्कारक सीधा नियुक्ति पत्र प्रदान कयल गेल अछि।

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार २०१०मे घोषणा कयने छलाह जे राज्य सरकार पदक विजेतासभकेँ नौकरी देत। एहि वादा केर पूरा करैत बिहार सरकार एखनि धरि ३४२ खेलाड़ीकेँ नौकरी देलक अछि। आब सरकार ‘मेडल लाओ नौकरी पाओ’ केर तर्ज पर ‘बिहार उत्कृष्ट खिलाड़ी प्रत्यक्ष नियुक्ति नियम २०२३’ बना देलक अछि। एकर अन्तर्गत राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय खेल प्रतियोगितामे पदक प्राप्त करयवला खेलाड़ीकेँ सीधा नौकरी देल जायत। एहि नव नियमक अनुसार जँ खेलाड़ी नीक प्रदर्शन करैत अछि तँ हुनका एसडीओ आ डीएसपी बनबाक मौका भेटत।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नेतृत्वमे बिहार सरकार खेलकेँ बढ़ावा देबाक आ खेलाड़ीसभकेँ प्रोत्साहित करबाक लेल लगातार काज कऽ रहल अछि। राज्य सरकार खेल आ खेलाड़ीक सर्वांगीण विकासक लेल पूर्ण रूपसँ प्रतिबद्ध अछि। नीतीश कुमार २०१०मे घोषणा कयने छलाह जे जँ खेलाड़ी खेल प्रतियोगितामे पदक जीतैत छथि तँ सरकार हुनका नौकरी देत। जकर अन्तर्गत कुल २७१ खेलाड़ीकेँ लिपिकीय नौकरी देल गेल छल, जाहिमे वर्ष २०१० मे ३३ खेलाड़ी, वर्ष २०११ मे १२५ खेलाड़ी, वर्ष २०१५ मे ८२ खेलाड़ी आ वर्ष २०२० मे ३१ खेलाड़ी शामिल छल।

एखनि धरि ३४२ खेलाड़ीकेँ नौकरी देल जा चुकल अछि।
राज्यमे खेलक प्रति युवाक रुचि बढ़ेबाक लेल राज्य सरकार ‘मेडल लाओ नौकरी पाओ’ केर तर्ज पर ‘बिहार उत्कृष्ट खिलाड़ी प्रत्यक्ष नियुक्ति नियम 2023’ बना देलक अछि। विभिन्न खेल प्रतियोगितामे राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय पदक जीतनिहार उत्कृष्ट खेलाड़ीकेँ सरकारी विभागमे नियुक्ति देबाक प्रावधान कयल गेल अछि। एकर अन्तर्गत वर्ष २०२३-२४ मे ‘पदक लाओ-नौकरी पाओ’ योजनाक अन्तर्गत ७१ उत्कृष्ट खिलाड़ीकेँ विभिन्न सरकारी विभागमे क्लास वन सरकारी नौकरीक लेल बिना परीक्षा आ साक्षात्कारक सीधा नियुक्ति पत्र प्रदान कयल गेल अछि।

जखनि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अटल बिहारी वाजपेयीक नेतृत्वमे केन्द्र सरकारमे रेल मंत्री छलाह, तखनि ओ रेलवेमे खेलाड़ीसभकेँ नौकरी देबय केर व्यवस्था कयने छलाह। एहि प्रणालीक अन्तर्गत एखनि धरि देश भरिक सैकड़ो खेलाड़ीकेँ रेलवेमे नौकरी देल गेल अछि। रेलवेमे नौकरी भेटयवला खेलाड़ीसभक उत्साह बढ़ि गेल अछि। रेलवेमे खेलाड़ीसभकेँ नौकरी देबाक तर्ज पर नीतीश कुमार २०१० सँ बिहारमे उत्कृष्ट प्रदर्शन कयनिहार खेलाड़ीसभकेँ सरकारी नौकरी देबय लगलाह।

एहि ‘बिहार उत्कृष्ट खिलाड़ी प्रत्यक्ष नियुक्ति नियम २०२३ केर अनुसार यदि खेलाड़ी नीक प्रदर्शन करैत छथि तँ हुनका एसडीओ आ डीएसपी बनबाक अवसर देल भेटैत अछि। एहि नियमक अन्तर्गत हालहिमे ७१ खेलाड़ीकेँ नौकरी देल गेल अछि, जाहिमे सँ २केँ बाल विकास परियोजना अधिकारी आ खण्ड पंचायती राज अधिकारी सहित पदाधिकारीक नौकरी देल गेल अछि। ६९ केँ अवर पुलिस निरीक्षक, समाज कल्याण विभागमे अधीक्षक आ डाटा एंट्री ऑपरेटर आ क्लर्कक नौकरी देल गेल अछि।

बिहारमे खेलकेँ बढ़ावा देल जा रहल अछि। एकरा लेल हर स्तर पर खेल सुविधा विकसित कयल जा रहल अछि जाहिसँ बच्चा सभ पढ़ि सकय आ खेलि सकय। राज्यमे ब्लॉक स्तर पर स्टेडियमक निर्माण कयल जा रहल अछि, जाहिमे एखन धरि लगभग २५० स्टेडियमक निर्माण कार्य पूरा भऽ चुकल अछि। खेलाड़ीसभकेँ नीक प्रशिक्षणक लेल राज्यसँ बाहर पठाओल जा रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *