चुनाव

नीतीश कुमार लोकसभा चुनाव परिणामसँ पहिने भेलाह दिल्ली विदा

पटना
*

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रवि दिन दिल्ली लेल विदा भऽ गेलाह। एकरा संग राजनीतिक गलियारामे चर्चाक दौर शुरू भऽ गेल अछि। एहि दौरान ओ भाजपाक वरिष्ठ नेता सभसँ भेंट कऽ सकैत छथि।

लोकसभा चुनावक परिणाम घोषित होयबासँ पहिने बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रविदिन दिल्ली लेल रवाना भऽ गेलाह जतय किछु दिन रहबाक सम्भावना अछि। जनता दल-यूनाइटेडक वरिष्ठ नेता नाम उजागर नहिं करबाक शर्तपर कहलनि जे नीतीश कुमार अपन नई दिल्ली यात्राक दौरान भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क शीर्ष नेतासँ भेंट कऽ सकैत छथि।
सूत्र बतौलनि जे बिहार सरकारक राज्यक लेल विशेष दर्जा आ विशेष पैकेजक माँगपर चर्चा करबाक लेल वित्त आयोगक एकटा प्रतिनिधिमण्डल १० जूनकेँ पटना आबि सकैत अछि। एकर अलावा बिहारक लेल केंद्रीय कोषक हिस्सेदारी बढ़ाबय केर मांग पर सेहो चर्चा भऽ सकैत अछि।

ओम्हर नतीजासँ पहिने कांग्रेस पार्टीमे हलचल मचि गेल अछि।
लोकसभा चुनाव २०२४ केँ देखैत सात चरणक मतदान समाप्त भऽ गेल अछि। लोकसभा चुनावक एक्जिट पोलक परिणाम सेहो अलग-अलग चैनल द्वारा जारी कयल गेल अछि। एहन स्थितिमे अधिकांश एक्जिट पोलक सामने आबि रहल अछि जे भारतीय जनता पार्टीक नेतृत्ववला एनडीए गठबन्धन देशमे एक बेर फेर सरकार बना सकैत अछि।

एक दिस एक्जिट पोल आबि गेलाक बाद भाजपा नेता आ कार्यकर्तामे खुशीक लहरि अछि। दोसर दिस कांग्रेस पार्टीमे हलचल तेज भऽ गेल अछि। कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे आ राहुल गांधी जूम कॉल पर लोकसभा सदस्यक संग बैसार कयलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *