राजनीति

नीतीश कुमार आ चंद्रबाबू नायडू सभक छथि, कखनहुँ अहाँक तऽ कखनहुँ हमर : संजय राउत

मुम्बई
*

शिवसेना नेता संजय राउत नीतीश कुमार आ चंद्रबाबू नायडू पर बड़का बयान देलनि अछि। ओ कहलनि जे ई दुनू नेता सबहक छथि।

संजय राउत कहलनि, “नीतीश कुमार आ चंद्रबाबू नायडू सबहक छथि। आइ ई अहांक छथि, काल्हि ई हमर हेताह। मोदी सरकार जे निर्णय लेबय चाहैत छल, आम जनता एकर विरोध कयलक। पीएम मोदी कहि रहल छलाह जे जँ इंडिया गठबंधन सत्तामे आबि जायत तऽ ओ मुसलमान केर आरक्षण देत। हम इ कहय चाहब जे चंद्रबाबू नायडू मुसलमानकेँ आरक्षण देबाक पक्षमे छथि। एहन स्थितिमे अहाँ की कहए चाहब ? एखनहु बहुत रास मुद्दा अछि जकर चर्चा बाकी अछि।”

ओ कहलनि “मोदी सरकारक अधीन ईडीक प्रतिष्ठा पर सवाल उठल अछि। ईडी आ सीबीआई भाजपाक विस्तारित शाखा बनि गेल अछि। प्रफुल्लभाई पटेलसँ हमर कोनो व्यक्तिगत दुश्मनी नहिं अछि, मुदा सबकेँ न्याय भेटबाक चाही। ईडी सबके लेल अछि, मुदा आब ई जांच एजेंसी अपन कार्यशैलीक कारण अपन विश्वसनीयता पर सवाल उठा रहल अछि।“ एकर अलावा संजय राउत नीतीश कुमार आ चंद्रबाबू नायडूक सेहो आलोचना कयलनि।

ओ आगू कहलनि, “भाजपा चुनावसँ पहिने ई नारा दैत छल जे हम कांग्रेस मुक्त भारत करब, मुदा हम हुनका बहुमत मुक्त भाजपा बना देलहुँ। हम इ बात आइयो कहि रहल छी आ आगुओ कहब जे आखिर मोदीजी की कयलनि ? मोदीजी मात्र झूठक राजनीति कयलनि अछि। हुनक राजनीतिक नींवे झूठ अछि।”

ओ कहलाह “अमित शाहजी राजनेता नहिं छथि। हुनका राजनीतिसँ कोनो लेना-देना नहिं अछि। ओ व्यापारी छथि, व्यापार करैत छथि।“

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *