न्यूयॉर्कमे संयुक्त राष्ट्र महासभाक अन्तर्राष्ट्रीय सम्मेलनमे हमास द्वारा इजरायल पर आक्रमणक समय बंधक बनाओल गेल नेपाली छात्रसभक रिहाईक मुद्दा उठाओल गेल अछि। नेपालक तरफसँ विदेश मंत्री डा. आरजू राणा नेपाली छात्रक शीघ्र रिहाईमे विश्व समुदायसँ सहयोग देबाक अपील कयलनि अछि। डा. राणा कहलनि जे हम संलग्न राष्ट्र समूहसँ आग्रह करैत छी जे नेपालक एहि समस्याकेँ संयुक्त राष्ट्र महासभाक मञ्चमे राखू आ नेपाली छात्रसभक रिहाईमे हमर सहायता करू।
असंलग्न राष्ट्रक विदेश मन्त्रीलोकनि न्यूयॉर्कमे संयुक्त राष्ट्र महासभासँ अलग बैसार कयलनि आ हमास द्वारा बन्दी नेपाली छात्रसभक रिहाईक अपील कयलनि। नेपालक प्रतिनिधित्व करैत विदेश मंत्री डॉ. आरजू राणा इजरायल पर हमास आक्रमणक क्रममे १० नेपाली नागरिकक हत्या आ लगभग एक दर्जन नेपाली नागरिककेँ पकड़बाक घटनाक जिक्र करैत कहलनि जे आइ लगभग एक वर्ष बादो हमासक नियंत्रणसँ नेपाली छात्रक रिहाई नहिं भऽ पाओल अछि। विदेश मंत्री राणा कहलनि जे हमासक हिरासतमे राखल नेपाली छात्रक रिहाईक लेल सभ देशसँ आग्रह कयल जाइत अछि जे ओ हुनक रिहाईक लेल जतेक सम्भव हो, पहल करथि। ओ कहलनि जे एकटा मानवतावादी प्राणीक रूपमे विश्व समुदाय, विशेष रूपसँ संयुक्त राष्ट्रकेँ एहि पर विशेष पहल करबाक चाही।
नेपालक विदेश मंत्री डा. आरजू राणा कहलनि जे संयुक्त राष्ट्रक मंच अधिकांशतः पैघ आ शक्तिशाली देशक बात सुनैत अछि, मुदा असंलग्न राष्ट्रक समूहक गठन एही लेल कयल गेल जाहिसँ सामरिक दृष्टिसँ कम महत्वक छोट आ अविकसित देशक समस्या आ सरोकार विश्व मञ्च पर स्थान पाबि सकय। डा. राणा कहलनि जे हम असंलग्न राष्ट्रसमूहसँ निवेदन करैत छी जे नेपालक एहि समस्याकेँ संयुक्त राष्ट्र महासभाक मंच पर राखू आ नेपाली छात्रक रिहाईमे हमर सहायता करु।
विदेश मन्त्री राणा कहलनि जे गत अक्टूबरमे हमास द्वारा इजरायल पर भेल हमलामे १० गोट मेधावी नेपाली छात्रक निर्मम हत्या भेल छल। ओ कहलनि जे देश आइयो ओहि झटकासँ बाहर नहिं आयल अछि। जँ हमासक नियंत्रणक नेपाली छात्रसभकेँ छोड़ि देल जायत तँ ओ दर्द कने कम कयल जा सकैत अछि।