केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह दावा कयलनि जे भाजपाक नेतृत्ववला राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) लोकसभा चुनावक मात्र पहिल पाँच चरणमे ३१० केर आंकड़ा पार कऽ लेलक अछि।
पश्चिम बंगालक कांथी लोकसभा क्षेत्रमे एकटा चुनावी जनसभाकेँ सम्बोधित करैत केन्द्रीय गृहमंत्री कहलनि, “की अहाँ जानय चाहैत छी जे एखन धरि राजगक की स्थिति अछि ? हम अहाँकेँ बता सकैत छी जे पहिल पाँच चरणक बाद नरेन्द्र मोदीक नेतृत्ववला एनडीए ३१० केर आंकड़ा पार कऽ चुकल अछि।”
ओ पाकिस्तान अधिकृत कश्मीर (पीओके) केँ भारतक हिस्सा बनयबाक विरोध करबाक लेल कांग्रेस नेता राहुल गाँधीपर सेहो हमला कयलनि।
अमित शाह कहलनि “ओ सभ हमरासभकेँ कहि रहल छथि जे पाकिस्तान लग परमाणु बम अछि, तेँ पीओकेकेँ भारतक हिस्सा बनायब खतरनाक होयत। हम राहुल बाबाकेँ कहय चाहैत छी जे हम एटम बमसँ नहि डरैत छी। एहन कोनो शक्ति नहिं अछि जे पीओकेकेँ भारतक हिस्सा बनयबासँ रोकि सकय।”
केन्द्रीय गृहमंत्री इहो कहलनि जे हारिक भय पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जीकेँ हताश कऽ देलक अछि। ओ आब पुलिसक पैघ स्तर पर दुरुपयोग कऽ रहल छथि।
केंद्रीय गृहमंत्री कहलनि “हम एखन सुनलहुँ जे राज्य पुलिस नेता प्रतिपक्ष शुभेंदु अधिकारीक किरायाक आवास पर देर राति छापा मारलक। जखनि केंद्रीय एजेंसी तृणमूल कांग्रेसक एकटा नेताक घरपर छापा मारलक तखन ५१ करोड़ टाकाक भारी राशि बरामद कयल गेल, मुदा अधिकारीक घरपर पुलिसक छापामारीमे २५ पैसा सेहो बरामद नहिं भेल। हम मुख्यमंत्रीसँ कहि रहल छी जे राज्य पुलिसक दुरूपयोग करबासँ परहेज करू, अन्यथा पश्चिम बंगालक जनता अहाँकेँ मुंहतोड़ जवाब देत।”
अमित शाह अवैध घुसपैठियासभकेँ प्रोत्साहित करबाक आरोप लगबैत मुख्यमंत्रीसँ संकीर्ण राजनीतिक हितक लेल देशक सुरक्षासँ नहिं खेलबाक आग्रह सेहो कयलनि।