चुनाव

जम्मू-कश्मीरमे एनसी-कांग्रेसक सरकार, फारूक अब्दुल्ला कहलनि उमर बनताह मुख्यमंत्री

नई दिल्ली
*

नेशनल कॉन्फ्रेंसक अध्यक्ष फारूक अब्दुल्ला जम्मू-कश्मीरमे चुनाव जीतलाक बाद घरमे जीतक उत्सव मनओलनि।
जम्मू-कश्मीरसँ अनुच्छेद ३७० हटलाक बाद भेल विधानसभा चुनावमे इंडिया गठबन्धन ४९ सीट जितलक। गठबन्धनमे शामिल भेल नेशनल कॉन्फ्रेंसकेँ अधिकतम ४२, कांग्रेसकेँ ६ आ माकपाकेँ एकटा सीट भेटल। सरकार बनेबाक लेल 46 सीटक जरूरत छल।

भाजपाकेँ २९ सीट भेटल अछि। पछिला चुनावक तुलनामे पार्टीकेँ ४ सीट अधिक भेटल अछि। मुदा, जम्मू-कश्मीर भाजपा अध्यक्ष रविन्द्र रैना नौशेरा सीटसँ नेकां उम्मीदवारसँ लगभग ८ हजार वोटसँ हारि गेलाह। ओ अपन इस्तीफा पार्टी आलाकमानकेँ पठौलनि अछि।

पूर्व मुख्यमंत्री महबूबा मुफ्तीक पार्टी पीडीपी ३ सीट जीतल अछि। पछिला चुनावमे पार्टी २८ सीट जीतल छल।

महबूबाक बेटी इल्तिजा मुफ्ती, जे पहिल बेर चुनाव लड़ि रहल छलथि, श्रीगुफवारा बिजबेहरा सीटसँ लगभग ९,००० वोटसँ हारि गेलीह।

जम्मू-कश्मीरमे आम आदमी पार्टी पहिल बेर जीतल अछि। डोडामे मेहराज मलिक भाजपाक गजय सिंह राणाकेँ ४५०० सँ बेसी मतसँ पराजित कयलनि। पीपुल्स कॉन्फ्रेंस एकटा सीट जीतलक। निर्दलीय ७ टा जीतल। संसद हमलाक आरोपी अफजल गुरुक भाय एजाज गुरुकेँ सोपोर सीटपर १२९ मत भेटलनि।

नेशनल कॉन्फ्रेंसक अध्यक्ष फारूक अब्दुल्ला कहलनि – उमर अब्दुल्ला जम्मू-कश्मीरक अगिला मुख्यमंत्री होयत। शपथ ग्रहण समारोह ११ या १२ अक्टूबरकेँ होयबाक संभावना अछि। उमर अब्दुल्ला दूटा सीट (बडगाम आ गांदरबल) पर चुनाव लड़लनि आ दुनू पर पीडीपीक उम्मीदवारकेँ पराजित कयलनि।

जम्मू-कश्मीरमे १८ सितंबरसँ १ अक्टूबर धरि तीन चरणमे ६३.८८% मतदान भेल छल। २०१४क चुनावमे ६५% मतदान भेल छल। एहि बेर १.१२% कम मतदान भेल। ५ अक्टूबरकेँ एक्जिट पोलमे ५टा सर्वेक्षणमे एनसी-कांग्रेस सरकारक भविष्यवाणी कयल गेल छल, जखन कि ५ गोटे त्रिशंकु विधानसभाक दावा कयने छलथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *