इंडियन मेडिकल एसोसिएशन (आईएमए) कोलकातामे एकटा महिला डॉक्टरक बलात्कार आ हत्या घटनाक विरोधमे शनिकेँ देशभरक अस्पतालसभमे २४ घंटाक हड़तालक आह्वान कयलक। एहि अवधिमे सरकारी आ निजी अस्पतालमे मरीजक ओपीडी आ वैकल्पिक सर्जरी नहिं होयत। मुदा, आपातकालीन सेवा जारी रहत। अन्य चिकित्सक संघ सेहो आईएमए केर हड़तालमे अपन समर्थनक घोषणा कयलक अछि।
आईएमएक राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ. आर.वी. अशोकन कहलनि अछि जे कोलकाताक घटना आ अस्पतालमे भेल तोड़फोड़क विरोधमे देशभरिक डॉक्टर शनि दिन भोर ६ बजे सँ रविदिन भोर ६ बजे धरि २४ घंटा हड़ताल पर रहत। ओ कहलनि जे डॉक्टरक सुरक्षा सुनिश्चित करब सरकारक कर्तव्य अछि। डॉक्टर मृतक महिला चिकित्सकक लेल न्याय आ डॉक्टरक सुरक्षाक लेल केन्द्रीय कानून सन माँगक लेल दबाव बनेबाक लेल विरोध प्रदर्शन करत। ३.३० लाखसँ बेसी डॉक्टर आईएमएक सदस्य छथि।
उल्लेखनीय अछि जे कोलकाताक लालबाजारक आरजी कर मेडिकल कॉलेज-अस्पतालमे ८-९ अगस्तक राति कनिष्ठ चिकित्सकक बलात्कार आ हत्या कयल गेल छल। एहि घटनाक विरोधमे देश भरिमे आक्रोश देखल जा रहल अछि। एहि घटनाक बादसँ चिकित्सा सेवा सङ्गठन चिकित्सकसभक सुरक्षा सुनिश्चित करय लेल माँग करैत आन्दोलन कऽ रहल अछि।