मनोरंजन

राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार २०२४ शुक्रकेँ घोषित, ऋषभ शेट्टीकेँ भेटल ‘कांतारा’ लेल, ‘केजीएफ २’ आ ‘ब्रह्मास्त्र’ सेहो सम्मलित

नई दिल्ली
*

७०म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारमे बहुत रास फिल्मकेँ पुरस्कारसँ सम्मानित कयल गेल अछि, जकर पूरा सूचीक खुलासा भऽ गेल अछि। ऋषभ शेट्टीक फिल्म ‘कांतारा’क लेल सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक पुरस्कारसँ सम्मानित कयल गेल अछि। संगहि फिल्म ‘केजीएफ २’ आ ‘ब्रह्मास्त्र’केँ सेहो पुरस्कारसँ सम्मानित कयल गेल। ७०म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारक सूचीमे हिन्दीसँ बेसी दक्षिण चलचित्रकेँ शामिल कयल गेल अछि।

फिल्मी दुनियाक लेल शुक्र दिन बहुत खास छल। काल्हि ७०म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारक घोषणा कयल गेल, जाहिमे साउथ स्टार यशक फिल्म ‘केजीएफ २’ आ रणबीर कपूरक फिल्म ‘ब्रह्मास्त्र’केँ राष्ट्रीय पुरस्कार भेटल अछि। मलयालम फिल्म ‘अट्टम’ सबसँ बेसी पुरस्कार जीतलक अछि। ओतहि ऋषभ शेट्टी, नित्या मेनन आ मानसी पारेख सर्वश्रेष्ठ अभिनेता-अभिनेत्रीक पुरस्कार जितलनि।

७०म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार २०२२-२०२३ मे आयल फिल्मसभकेँ सम्मानित कयलक। ई ७०म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारक घोषणा १६ अगस्तकेँ कयल गेल। मीडिया रिपोर्टक अनुसार, ऋषभ शेट्टीकेँ फिल्म ‘कांतारा’ लेल सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक राष्ट्रीय पुरस्कार भेटल अछि। ऋषभ शेट्टीक फिल्म ‘कांतारा’ २०२२मे आयल छल। एम्हर निर्देशक प्रशांत नीलक ब्लॉकबस्टर फिल्म ‘केजीएफ’केँ दू श्रेणीमे पुरस्कार भेटल अछि। प्रीतमकेँ रणबीर कपूर आ आलिया भट्टक ‘ब्रह्मास्त्र’क लेल सर्वश्रेष्ठ सङ्गीत निर्देशकक राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार भेटल। मीडिया रिपोर्टक अनुसार, सर्वश्रेष्ठ अभिनेता श्रेणीक लेल विक्रांत मैसी, ममूटी आ ऋषभ शेट्टीक नामक चर्चा अछि। नित्या मेनन तमिल फिल्म ‘तिरुचित्राम्बलम’क लेल सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक पुरस्कार जीतलनि आ मानसी पारेख गुजराती फिल्म ‘कच्छ एक्सप्रेस’क लेल सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक पुरस्कार जितलनि। मनोज बाजपेयीकेँ फिल्म ‘गुलमोहर’क लेल पुरस्कार भेटल अछि।

वर्ष २०२३ मे अल्लू अर्जुन सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक राष्ट्रीय पुरस्कार जितने छलाह। अल्लूकेँ ई पुरस्कार अपन चलचित्र ‘पुष्पा: द राइज’क लेल भेटल छल। ओतहि ‘गंगूबाई काठियावाड़ी’क लेल आलिया भट्ट आ ‘मिमी’क लेल कृति सेनन सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक पुरस्कार जितल छलीह।

राष्ट्रीय पुरस्कारक प्रारम्भ वर्ष १९५४ मे भेल छल। राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार देश भरिक सर्वश्रेष्ठ फीचर फिल्म, सर्वश्रेष्ठ अभिनेता, सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री, सर्वश्रेष्ठ निर्देशक, आ अन्य श्रेणी सहित विभिन्न श्रेणीमे देल जाइत अछि। राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कारक आयोजन प्रत्येक वर्ष भारत सरकारक सूचना आ प्रसारण मंत्रालयक अधीन फिल्म महोत्सव निदेशालय द्वारा कयल जाइत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *