चुनाव

नरेन्द्रक नैया नीतीश-नायडूक हाथमे, आब होएत न्याय बिहारक संग

पटना
*

हँ, २०१९ मे चालिसमे ३९ सीट देलाक बावजूद बिहारक लोककेँ ओस चटाओल गेल, ओस चटलासँ प्यास नहिं मेटैत छैक, मुदा मदमे मोदीजी तकर परवाह नहिं कयलनि, इ कतेको लोकक मुँहसँ सहजहिं सुनल गेल, तथापि एहू बेर अर्थात २०२४ केर लोकसभा चुनावमे बिहारक जनता मोदीएजीमे प्रायः विश्वास जतौलक। मुदा एहिबेर मानू उपरवालाकेँ बर्दाश्त नहिं भेलनि बिहारक निश्छल जनताक अवहेलना, फलतः एहि बेर निर्णय केर कमान मानू नीतीशे कुमारक हाथ थम्हा देलक ओ अलौकिक शक्ति। एकरे कहल गेल छैक जे ‘भगवानक घर देर छैक मुदा अन्हेर नहिं।’ लोकसभा २०२४ केर अद्भुत परिणाम आयल, मानू सभ जीतल, कियो नहिं हारल, सभ दल अपन-अपन परफार्मेंससँ खुश अछि, एकरे कहैत छैक लोकतंत्रक जीत आ जनताक सबक। जनता अद्भुत जनादेश देलक, एनडीए केर यद्यपि पुनः जीता सेहो देलक, मुदा निरंकुशता पर अंकुश सेहो लगा देलक, दोसर तरफ इंडिया गठबन्धनकेँ हराओ कऽ बाजीगर बना देलक। अर्थात आखिरकार एहि बेर वास्तवमे मानू जनताक जीत भेल, तहिना प्रतीत भऽ रहल छैक।

लोकसभा चुनावक परिणाम एन फैक्टर देलक अछि। एन फैक्टर अर्थात नमो, नीतीश आ नायडू। नरेन्द्र मोदीक नेतृत्ववला एनडीएकेँ पूर्ण बहुमत भेटि रहल अछि मुदा ई नीतीश आ नायडू पर निर्भर करत।
देशक सबसँ पैघ चुनावक परिणाम आबि गेल अछि। भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क नेतृत्ववला राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) २९२ सीटक सङ्ग तेसर बेर सरकार बनेबाक लेल तैयार अछि। २०१४ आ २०१९क चुनाव परिणामक विपरीत एहि बेर भाजपा बहुमतक लेल आवश्यक जादुई आंकड़ासँ पाछू भऽ गेल। एन फैक्टरसँ शुरू भेल एहि चुनावक परिणाम सेहो एन फैक्टर देलक अछि।

आरम्भसँ एहि चुनावमे एकटा एन फैक्टर जुड़ल छल। स्वतन्त्रताक बादसँ पंडित जवाहरलाल नेहरूकेँ छोड़ि कोनो प्रधानमन्त्री लगातार तेसर बेर सरकार बनयबामे सफल नहिं भेल छथि। एहि चुनावमे लगातार तेसर बेर सरकार बना कऽ प्रधानमंत्री मोदीकेँ पंडित नेहरूक रिकॉर्डक बराबरी करबाक मौका भेटलनि।

नमो अर्थात नरेन्द्र मोदीक चेहरा आगू राखि चुनाव मैदानमे उतरल राजगकेँ सरकार बनेबाक जनादेश यद्यपि भेटल अछि। राजगकेँ २९२ सीट भेटल अछि, मुदा भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) केर लगातार तेसर बेर बहुमतसँ मोदी सरकार बनयबाक मौका छूटि रहल अछि।

नेहरूक समकक्ष लगातार तेसर बेर सरकार बनेबाक लेल पीएम मोदीकेँ दूटा आन एन-एन केर दल नीतीश कुमार आ चन्द्रबाबू नायडूक रुख पर निर्भर रहय पड़त। सरकार बनायब नीतीश आ नायडू केर रुखसँ तय करय पड़त। नीतीशक नेतृत्व वाला जनता दल (यूनाइटेड) केँ १२ सीट आ नायडूक तेलुगु देशम पार्टी (टीडीपी) केँ १६ सीट भेटल अछि। ई दुनू दल यद्यपि एनडीएमे अछि।

मुदा आब जँ अहाँ एहि दुनू दलकेँ भेटयवला २८ सीट कुल एनडीए केर २९२ सीटमे सँ कम करैत छी तखन सत्तारूढ़ गठबन्धनक संख्या घटि कऽ २६४ सीट पर आबि जाइत अछि, जे बहुमतक लेल आवश्यक २७२ केर जादुई आंकड़ासँ आठ कम अछि। तेँ, नरेन्द्र मोदीक तेसर पारी आब नीतीश कुमार आ नायडूक रूख पर निर्भर करत। अवसरक भान करैत सत्तारूढ़ राजगक सङ्ग विपक्षी इंडिया ब्लॉक सेहो सक्रिय मोडमे आबि गेल अछि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी स्वयं टीडीपी प्रमुख चंद्रबाबू नायडूसँ बात कयलनि। ओतहि बिहार भाजपा अध्यक्ष आ उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारसँ भेंट करबाक लेल सीएम हाउस पहुँचलाह। ओना खबरि अछि जे सम्राट चौधरी नीतीश कुमारसँ भेंट नहिं कऽ सकलाह। नीतीश एक दिन पहिने दिल्लीमे पीएम मोदीसँ भेंट कयने छलाह।

आब जखनि सम्राट चौधरीकेँ नीतीश कुमारसँ भेंट नहिं भऽ सकल, तऽ अटकलबाजीक बाजार गर्म भऽ गेल अछि। अटकलबाजीक बीच राजद दावा केलक अछि जे नीतीश कुमार कहलनि अछि जे ओ बदलाक राजनीतिक पक्षमे नहिं छथि आ ओ एकटा पैघ निर्णय लऽ सकैत छथि। ओना, जेडीयू महासचिव आ प्रवक्ता केसी त्यागी कहलनि अछि जे हम एनडीएमे छी आ एनडीएमे रहब।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *