सामाजिक आ सांस्कृतिक संस्था मोदमंडली, शुभंकरपुर, दरभंगा दिसिसँ शनिदिन गामक दू गोट विद्यार्थीकेँ वर्ग दशम् एवं वर्ग बारहममे उत्कृष्ट अंक प्राप्त करबा पर सम्मानित कयल गेल।
बिनोद कुमार झाक सुपौत्र आ राकेश कुमार झाक सुपुत्र आयुष्मान आयुष राज जे महात्मा गाँधी शिक्षण संस्थान, दरभंंगाक छात्र छथि से दशम् वर्गमे 93% सँ अधिक अंक आनि गामक नाम रौशन कयलनि जखन कि होलीक्रास स्कूल, दरभंंगाक छात्रा आ प्रख्यात तबला वादक स्व० पंडित गौरी कांत झाक सुपौत्री एवं संगीत कुमार झाक सुपुत्री मुक्तकेशी बारहम वर्गक परीक्षामे शानदार प्रदर्शन करैत 90% सँ अधिक अंक प्राप्त कय गामक गौरव बढ़ौलनि अछि।
एहि दुनू छात्र-छात्राकेँ समारोहपूर्वक ‘मोदमंडली’ शुभंकरपुर, दरभंगा सम्मानित कयलक। कार्यक्रममे उपस्थित भारत निर्वाचन आयोगक दरभंगा जिला स्वीप आईकॉन आ मैथिलीक प्रख्यात साहित्यकार मणिकांत झा कहलनि जे एहि तरहक प्रोत्साहनसँ धियापुतामे पढ़बाक ललक आर बेसी जागृत होइत छैक। ओ कहलनि जे हम हिनका लोकनिकेँ आशीर्वाद दैत उज्ज्वल भविष्यक कामना करैत छी।
एहि अवसर पर अध्यक्ष श्रवण कुमार झा, सचिव संतोष कुमार झा, पुष्कर ठाकुर, बालेन्दु झा, संगीत कुमार, रमण कुमार झा, बिनोद कुमार झा, साहेब झा, केशव झा टुन्ना, लालटुन, कामोद मिश्र, इंद्र नारायण मिश्र, सुनील कुमार झा आदि अनेक ग्रामीण उपस्थित छलथि।