विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे 13,14 आ 15 नवंबरकें आयोजित होबय बला तीन दिवसीय 52म मिथिला विभूति पर्व समारोहक तैयारी केर समीक्षा लेल रविदिन संस्थानक प्रधान कार्यालय परिसरमे बैसार आयोजित भेल। समारोहकेँ ऐतिहासिक बनेबा लेल संस्थानक कार्यकारी अध्यक्ष डा बुचरू पासवानक अध्यक्षतामें आयोजित बैसारमे आयोजनसँ संबंधित विभिन्न समितिक कार्य प्रगति केर समीक्षा कयल गेल।
जनतब दैत संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू बतोलनि जे सांस्कृतिक आ साहित्यिक संरक्षण ओ संवर्धन लेल उपयुक्त माहौल तैयार करबाक संगहि मिथिलाक गौरवशाली धरोहरिसँ नव पीढ़ीकेँ अवगत करयबाक उद्देश्यसँ बैसारमे अनेक रणनीति तैयार कयल गेल। ओ बतेलनि जे समारोहमे मिथिला चित्रकला आ मिथिलाक धरोहर कलाकृतिकेँ प्रदर्शित करय बला आकर्षक प्रदर्शनीक संगहि मिथिलाक पारंपरिक स्वादिष्ट व्यंजनक स्टाॅल सेहो लगायल जायत। जखन कि एहि ऐतिहासिक अवसर पर मिथिलाक विभूति लोकनिक कीर्ति केर प्रदर्शन सहित विभिन्न दीर्घाक नामकरण हुनका नाम पर कयल जायत।
डा बैजू बतेलनि जे वरिष्ठ साहित्यकार डा महेंद्र नारायण राम केर संपादन आ प्रवीण कुमार झा केर सह संपादनमे संस्थानक मुख पत्रिका ‘अर्पण’ केर मुद्रण कार्य प्रगति पर अछि। जखन कि कवि गोष्ठी प्रभारी लेखक रमेश केर संयोजनमे भव्य कवि सम्मेलन केर आयोजनक रूपरेखाक अंतिम रूप देल जा रहल अछि। एकरा अतिरिक्त लेखक रमेश, डा महेंद्र नारायण राम आ प्रवीण कुमार झा केर तीन सदस्यीय समिति मैथिली पुत्र प्रदीप केर कालजयी रचनाक संग्रह ओ वर्ष 1990 मे संस्थान द्वारा प्रकाशित गजल संग्रह केर परिवर्धित संस्करणक प्रकाशन कार्यमे पूर्ण तत्परतासँ लागल छथि। मणिकांत झा केर संयोजनमे राष्ट्रीय संगोष्ठी एक बेर फेर ‘मिथिलाक गाम’ विषय पर केंद्रित होयत।
ओ कहलनि जे ई समारोह पछिला सालक भांति एहू बेर शहरक एमएलएसएम कालेज परिसरमे आयोजित होयत। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी केर मुख्य संरक्षणमे एहि साल आयोजित भऽ रहल एहि समारोह लेल प्रदेशक महामहिम राज्यपाल राजेन्द्र विश्वनाथ अर्लेकर एवं मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सहित राज्यसभा सांसद संजय कुमार झा, धर्मशीला गुप्ता, बिहार सरकारक काबीना मंत्री अशोक चौधरी, हरि सहनी, मदन सहनी, पूर्व मंत्री डा मदनमोहन झा, पूर्व केंद्रीय मंत्री अश्विनी चौबे, गिरिराज सिंह आदि सहित मिथिला क्षेत्रक सभ वर्तमान आ पूर्व सांसद, विधायक आ विधान परिषद सदस्यकेँ विशेष रूपसँ आमंत्रित कयल गेल अछि। जखन कि अनेक प्रवासी मैथिल एहि अवसर पर अपन उपस्थितिसँ समारोहक शोभा बढ़ौताह।
बैसारमे सलाहकार समितिक अध्यक्ष सह सम्मान समितिक संयोजक पं कमलाकांत झा जानकारी देलनि जे मिथिला विभूति सम्मान लेल विभिन्न क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान देनिहार विशिष्ट लोक केर नामक घोषणा शीघ्र कयल जायत। मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा एहि भव्य आयोजनमे नव पीढ़ीक कलाकार आ कविकेँ बेसीसँ बेसी अवसर प्रदान कयल जयबाक प्रस्ताव रखलनि। जकरा सर्वसम्मतिसँ पारित कयल गेल। विनोद कुमार झा शोभायात्राक चलि रहल तैयारी केर बारेमे अवगत करौलनि। आशीष चौधरी कार्यक्रमसँ युवा पीढ़ीकेँ सीधे जोड़़बाक लेल हुनका संयोजनमे चलि रहल तैयारी केर जानकारी देलनि। स्वागत महासचिव प्रो जीवकांत मिश्र समारोह केर ऐतिहासिक आयोजनक मद्देनजर चलि रहल तैयारीक विस्तृत जानकारी देलनि। जाहि पर संतोष व्यक्त कयल गेल।
बैसारमे शोभायात्रा दीर्घाक सह संयोजक प्रो विजय कांत झा छठि गीतक उत्कृष्ट गायनसँ अपन खास पहिचान बनोनिहारि मिथिलाक बेटी शारदा सिन्हा केर शीघ्र स्वास्थ्य लाभ लेल सेहो छठि घाटसँ प्रार्थना करबा लेल छठि व्रती लोकनिकें प्रेरित कयल जयबाक प्रस्ताव रखलनि। एकरा सर्वसम्मतिसँ पारित कयल गेल।
बैसारमे वैद्य गणपति झा, विनोद कुमार झा, डा गणेशकांत झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ाभाई, दुर्गानंद झा, हरिकिशोर चौधरी, विनोदानंद झा, शिवशंकर झा, मणिभूषण राजू, आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स आदि सेहो अपन महत्वपूर्ण विचार रखलनि।