स्वास्थ्य

मिथिला स्टूडेंट यूनियन अनुमंडलीय अस्पतालक लचर स्वास्थ्य व्यवस्थाक विरुद्ध लेलक आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन करबाक निर्णय

बेनीपुर समदिया
*

मिथिला स्टूडेंट यूनियन अनुमंडलीय अस्पताल बेनीपुरक लचर स्वास्थ्य व्यवस्था आ अस्पतालमे व्याप्त अव्यवस्थाक विरुद्ध १२ नवंबरकेँ आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन करबाक निर्णय लेलख अछि ।

मिथिला स्टुडेंट युनियन नन्दापट्टी अवस्थित अपन कार्यालयमे प्रेसवार्ता आयोजित कय एहि प्रदर्शनक बारेमे जानकारी देलक । जिला पार्षद सह युनियन नेता सागर नवदिया पत्रकार सभकेँ संबोधित करैत कहलनि जे अस्पतालक स्वास्थ्य व्यवस्था बहुते लचर भऽ गेल अछि। मरीज सभकेँ उचित स्वास्थ्य सेवा नहि भेट रहल अछि । अस्पतालमे मरीज सभकेँ अल्ट्रासाउंड , प्लस्तर , ब्लड बैंक रहितो एकर लाभ नहि भेटि रहल छन्हि । डिलेवरीक मरीज सभकेँ स्थानीय दलाल बिचौलिया सभ द्वारा निजी नर्सिंग होममे लऽ जा कय जाहि पेशेंटक नॉर्मलो डिलेवरी भऽ सकैत छैक तिनको ऑपरेशनक माध्यमसँ डिलेवरी कराओल जाइत अछि।

ओ आगू कहलनि, अनुमंडल क्षेत्रक हजारो मरीज प्रत्येक दिन इलाजक लेल अस्पताल आबैत अछि मुदा कहियो ओपीडीसँ डॉक्टर गायब रहैत अछि तऽ कहियो ओपीडीमे दबाई नहि रहैत अछि। किछु चिकित्सक अपन रोस्टरक हिसाबसँ ड्यूटी नहि करैत अछि आ अनुमंडलीय अस्पतालक प्रभारी उपाधीक्षक डॉ० कुमारी भारती हुनका सभकेँ बचेबाक काज करैत रहैत छथि । जौं एहि अस्पतालक स्वास्थ्य व्यवस्था सुदृढ़ नहिं कयल जायत तऽ मिथिला स्टूडेंट यूनियन आगुओ एहिना प्रदर्शन करैत रहत ।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *