धर्म-संस्कृति

मिथिला नवजीवन समिति ट्रस्टक चलि रहल पचासम स्थापना दिवसक तैयारी, मैथिली ठाकुरक सेहो कार्यक्रम

मुंबई समदिया
*

उल्लासनगर स्थित मिथिला नवजीवन समिति ट्रस्टक पचासम स्थापना दिवसक (स्वर्ण जयंती) तैयारी जोर-शोरसँ चलि रहल अछि। आयोजन संबंधित तैयारीक जानकारी ट्रस्टक मिडिया प्रभारी ए. के. झा (साहेबजी) मै.पु.प्र. केर स्थानीय संवाददाताकेँ विस्तारपूर्वक देलनि।

तैयारी संबंधित जानकारी दैत कहलनि जे ट्रस्टक महत्वपूर्ण बैसार प्रेमचन्द्र झाक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल। ट्रस्टक सचिव विमल कुमार झा कार्यकारिणी सदस्यगणक समक्ष स्वर्ण जयंती समारोहक विस्तृत रूपरेखा प्रस्तुत कयलनि जाहिमे निम्नलिखित निर्णय लेल गेल।

१) स्वर्ण जयंती समारोह त्रि-दिवसीय होयत। वसंतोत्सवक माँगलिक अवसर पर अर्थात ०२ फरवरीसँ ०४ फरवरी, २०२५ धरि कार्यक्रमक रूपरेखा निर्धारित कयल गेल। ०२-०३ फरवरीके शतचंडी यज्ञ समेत ०२ फरवरीके भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग अतिथि-अभ्यागतकें सत्कार कयल जायत। जनतब दी जे ज्ञानक देवी नीर-क्षीर विवेकी हंसवाहिनी भगवती शारदाक पूजनोत्सवक अवसर पर सायंकाल आरतीक उपरांत मिथिलाक बेटी स्वर कोकिला विश्व प्रसिद्ध मैथिली ठाकुर द्वारा ऐतिहासिक सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति कयल जायत। मंच संचालक केर रूपमे विश्व प्रसिद्ध मिथिलापुत्र पं० कमलाकांत झा उपस्थित रहताह।

२) दिनांक ०४ फरवरीकें सरस्वती मंदिर परिसरमे संगीतमय सुन्दकांड केर आयोजन होयत। एहि अवसर पर मिथिला नवजीवन समिति ट्रस्ट केर पदाधिकारीगणकें सम्मानित कयल जायत। स्वर्ण जयंतीक अवसर पर ट्रस्ट द्वारा विलक्षण स्मारिकाक प्रकाशन होमय जा रहल अछि। जाहिमे मिथिला नवजीवन समिति ट्रस्टक अनवरत चलैत आबि रहल सेवा यात्राक सम्पूर्ण जानकारी देबाक प्रयास रहत।

महत्वपूर्ण बैसारमे ललन कुमार सिंह, प्रमोद कुमार कर्ण, महानन्द झा, जयकिशोर झा, राजेश झा, आनंद कुमार झा, सुजीत कुमार झा, बिपिन कुमार चौधरी, मुकेश झा, उज्जवल झा, प्रकाश झा, कौशल कुमार झा, कुबेर कुमार ठाकुर, नारायण झा, संजीव नाथ दास आदि उपस्थित भेलाह। ट्रस्टक सचिव विमल झा उपस्थित कार्यकारिणी सदस्य सभक काजक प्रसंशा करैत अपन ओजस्वी वाणीसँ उत्सासक संचार कयलनि, करतल ध्वनिसँ जकरा सराहल गेल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *