घटना

मंत्री लेसी सिंह पूर्णियामे दुर्घटनाग्रस्त, आईसीयूमे भर्ती, सीएम नीतीश कयलनि फोन

पूर्णियां
*

नीतीश कुमार सरकारमे बिहारक मंत्री आ जदयू विधायक लेसी सिंह घायल भऽ गेल छथि। शनिकेँ ओ पूर्णियाक एकटा स्कूलक निरीक्षण करय लेल आयल छलीह, ओही समय ओ सीढ़ीसँ फिसलि गेलीह। हुनका माथा आ हाथमे चोट लागल अछि। मंत्रीकेँ हड़बड़ीमे अस्पतालमे भर्ती कराएल गेल अछि।

बिहारक खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण मंत्री लेसी सिंह घायल भऽ गेल छथि। ओ शनिकेँ भोरे पूर्णियाक जिला विद्यालयक निरीक्षण करबाक लेल गेल छलीह, जतय ओ सीढ़ीसँ फिसलि गेलीह। हुनका हाथ, टांग आ माथ पर चोट लागल अछि। हुनका पूर्णियाक एकटा निजी अस्पतालमे भर्ती कयल गेल अछि।

जिलामे २० सूत्रीय समितिक बैसार होबयवला छल, जाहिमे पूर्णियाक अभिभावक मंत्री विजय कुमार चौधरी भाग लेबाक लेल आयल छलाह। बैसारसँ पहिने सभ विधायक आ मंत्री जिला विद्यालयमे स्थित उन्नयन कक्षाक निरीक्षण करबाक लेल पहुँचल छलाह। मंत्री लेसी सिंह निरीक्षणक बाद घुरैत काल सीढ़ीसँ फिसलि गेलीह। खसलाक कारण हुनका माथ सहित दहिना कलाई आ कोहनी पर चोट लागल अछि।

डॉक्टरक अनुसार, गिरलाक कारण मंत्री लेसी सिंहक हाथ टूटि गेल अछि। हुनका एखनि आईसीयूमे राखल गेल अछि। एहि घटनाक बाद पूर्णियाक जिलाधिकारी कुंदन कुमार आ प्रभारी मंत्री विजय चौधरी अस्पतालमे हुनकासँ भेंट कयलनि आ हुनक स्वास्थ्यक जानकारी लेलनि।

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो फोन पर मंत्री लेसी सिंहक स्वास्थ्यक जानकारी लेलनि। ई घटना कोना आ कखनि भेल एकर जानकारी सेहो मुख्यमंत्रीकेँ देल गेल अछि। ओतहि घटनाक बादसँ हुनक समर्थक सेहो हुनक स्थितिक जानकारी लेबाक लेल अस्पताल पहुँचय लागल छथि।

लेसी सिंह बिहारक पूर्णिया जिलाक धमदह विधानसभा क्षेत्रसँ विधायक छथि आ बिहार सरकारमे खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण मंत्री छथि। हालहिमे हुनक गौरव ग्राम यात्रा समाप्त भेल अछि, जाहिमे ओ अपन विधानसभामे जनताक बीच यात्रा पर जाय समस्यासभकेँ जनलीह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *