राजनीति

महबूबा मुफ्ती इजरायली हमलामे मारल गेल नसरल्लाहकेँ कहलक शहीद, विरोधमे चुनावी दौरा रद्द

नई दिल्ली
*

पीडीपीक अध्यक्ष महबूबा मुफ्ती इजरायली हमलामे मारल गेल हिजबुल्लाहक नेता नसरल्लाहकेँ शहीद बतौलनि। एतबे नहि, ओ विरोधमे प्रचार करयसँ सेहो मना कऽ देलनि। जम्मू-कश्मीरमे तेसर आ अंतिम चरणक मतदान १ अक्टूबरकेँ होयत।

पीडीपी प्रमुख महबूबा मुफ्ती नसरल्लाहक मृत्युपर दुख व्यक्त करैत एक्स पर लिखलनि, “हम लेबनान आ गाजाक शहीद, विशेष रूपसँ हसन नसरल्लाहक समर्थनमे रविदिनक चुनाव दौरा रद्द कऽ रहल छी। गहिर दुःख आ विद्रोहक एहि घड़ीमे हम फिलिस्तीन आ लेबनानक जनताक सङ्ग ठाढ़ छी।’

लेबनानमे इजरायली हमलामे मारल गेल नसरल्लाहक समर्थनमे जम्मू-कश्मीरक बडगाममे लोकसभ रैली सेहो निकालक। जाहिमे पैघ संख्यामे महिला लोकनि सेहो भाग लेलनि।

आईडीएफ शनिदिन कहलक जे हवाई हमलामे हिजबुल्लाहक प्रमुख नसरुल्लाह मारल गेल छल। इजरायल रक्षा बल अपन सोशल मीडिया अकाउंटपर लिखलक, “आब दुनियाकेँ नसरल्लाहसँ डरबाक आवश्यकता नहिं अछि। ओ आतंक नहिं पसारि सकत।”

एहि खुलासाक लगभग २० घंटाक बाद हिजबुल्लाह हसन नसरल्लाहक मृत्युक पुष्टि कयलक। ई बयान हिजबुल्लाह द्वारा शनि (२८ सितंबर) साँझमे जारी कयल गेल छल। कहल जाइत अछि जे शुक्रदिन ९:३० बजे इजरायलक हवाई हमलामे नसरल्लाह मारल गेल छल।

ईरानक सरकारी समाचार नेटवर्क प्रेस टीवी शनिदिन खबरि देलक, “हिजबुल्लाह शुक्रदिन बेरूत पर इजरायली हमलामे अपन नेता सैयद हसन नसरल्लाहक मृत्युक पुष्टि करैत अछि।”

कहल जा रहल अछि जे हमला एतेक भयंकर छल जे लगपासक ६टा भवन ढ़हि गेल। कहल जा रहल अछि जे नसरल्लाह अपन बेटीक संग एतय उपस्थित छल।

मुदा, पहिने ईरान द्वारा ई दावा कयल गेल छल जे नसरल्लाहकेँ सुरक्षित स्थान पर लऽ जायल गेल अछि। जनतब जे हिजबुल्लाह केर स्थापनामे ईरानक महत्वपूर्ण भूमिका छल। तेहरान हमेशा हिजबुल्लाह केर संग ठाढ़ रहल अछि।
१९८२ मे लेबनान पर इजरायली आक्रमणक बाद नसरल्लाह हिजबुल्लाहक स्थापनासँ जुड़ल अछि। १९९२मे ओ सङ्गठनक नेताक रूपमे पदभार सम्हारलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *