पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी आर.जी.कर मेडिकल कॉलेज अस्पतालमे एकटा कनिष्ठ चिकित्सकक भयानक बलात्कार आ हत्यापर प्रतिक्रिया देलनि अछि। ओ कहलनि, “बलात्कारीकेँ मृत्युदंड सुनिश्चित करय लेल जल्दिये एकटा विधेयक आनल जायत।”
पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी बुधदिन एकटा वक्तव्यमे कहलनि जे, “हुनकर सरकार बलात्कार आ हत्याक मामिलामे दोषीसभकेँ मृत्युदण्डक सजा देबाक लेल विधानसभामे एकटा विधेयक पारित करत। ई विधेयक १० दिनक भीतर पश्चिम बंगाल विधानसभामे प्रस्तुत कयल जायत। हम एकरा राज्यपालकेँ पठा देब आ यदि ओ विधेयक पारित नहिं करैत छथि तँ हम राजभवनक बाहर अनिश्चितकालीन धरना पर बैसि जाएब।”
टीएमसी महासचिव आ सांसद अभिषेक बनर्जीक बयानक उल्लेख करैत मुख्यमंत्री ममता बनर्जी आरजी कर मामिलाक जाँच करयवला केन्द्रीय अन्वेषण ब्यूरो (सीबीआई) पर सवाल उठौलनि। ओ दावा कयलनि जे मामिला सीबीआईकेँ सौंपलाक बाद जाञ्चक प्रगति बर्बाद भऽ गेल अछि।”
एहिसँ पहिने मंगलदिन ममता बनर्जी पश्चिम बंगाल पुलिसक प्रशंसा कयलनि। ओ कहलनि, “हम अपन पुलिसकेँ सलाम करैत छी। हमला भेलाक बादो ओ अपन संयम बनौने रहलाह। ओ लोकनि भाजपाक जालमे नहिं पड़लाह जे मृत शरीरपर राजनीति कऽ रहल अछि।”
मुख्यमंत्री बंगालक कनिष्ठ चिकित्सकसभसँ सेहो अपील कयलनि जे ओ इलाजक लेल ओतय जायवला मरीजक हितमे सरकारी अस्पतालमे अपन कर्तव्यपर आपस आबि जाय।
बलात्कार आ हत्याक घटनाकेँ दुर्भाग्यपूर्ण बताबैत बनर्जी कहलनि, “ई देखब बाकी अछि जे एहि मामिलामे आगूक कारवाईमे कोनो चूक नहिं होय। एहि लेल हम चाहैत छी जे जाँच जल्दीसँ जल्दी पूरा भऽ जाय जाहिसँ मामिलाक सुनवाई तेज भऽ सकय।”
कलकत्ता उच्च न्यायालय आरजी कर बलात्कार आ हत्याक मामिलाक जाँच सीबीआईकेँ सौंपबाक आदेश देने छल। एहि मामिलामे सीबीआई कतेको लोकसँ पुछताछ कय चुकल अछि।