सुरक्षा

क्वाड देशक बीच मालाबार समुद्री अभ्यास भारतमे ८ अक्टूबरसँ होयत शुरु

नई दिल्ली
*

भारत द्वारा आयोजित समुद्री अभ्यास मालाबार ८ अक्टूबरसँ क्वाड देशक बीच विशाखापत्तनममे शुरू होयत, जाहिमे अमेरिका, ऑस्ट्रेलिया आ जापानक नौसेना भाग लेत। समुद्री अभ्यास विशाखापत्तनमक बन्दरगाहसँ शुरू होयत। हिन्द महासागर आ भारत-प्रशांत क्षेत्रमे साझा समुद्री चुनौतिसभक सामना करबाक उद्देश्यसँ नौसैनिक अभ्यास १८ अक्टूबर धरि दू चरणमे चलत।

मालाबार अभ्यास १९९२ मे संयुक्त राज्य अमेरिका आ भारतीय नौसेनाक बीच द्विपक्षीय नौसैनिक अभ्यासक रूपमे शुरू भेल छल, जे आब प्रमुख बहुपक्षीय आयोजनक रूपमे विकसित भऽ गेल अछि। एकर उद्देश्य अंतर-संचालनशीलताकेँ बढ़ायब, आपसी समझकेँ बढ़ावा देनाइ छैक। एहि अभ्यासमे भारतीय नौसेनाक विभिन्न प्लेटफार्म शामिल होयत, जाहिमे निर्देशित मिसाइल विध्वंसक, बहु-भूमिका फ्रिगेट, पनडुब्बी, फिक्स्ड विंग एमआर, लड़ाकू विमान आ हेलीकॉप्टर शामिल होयत। ऑस्ट्रेलिया अपन एमएच-६०आर हेलीकॉप्टर आ पी-८ समुद्री गश्ती विमानक सङ्ग एकटा एन्जैक क्लास फ्रिगेट एचएमएएस स्टुअर्ट केर तैनात करत।

तहिना संयुक्त राज्य अमेरिकाक अमेरिकी नौसेना अपन अभिन्न हेलीकॉप्टर आ पी-८ समुद्री गश्ती विमानक सङ्ग आर्ले बर्क-श्रेणीक विध्वंसक यूएसएस डेवीकेँ तैनात करत। जापान एकटा मुरासामे श्रेणीक विध्वंसक जेएस अरियाक सङ्ग एहि अभ्यासमे शामिल होयत। एहि अभ्यासमे चारु देशक विशेष बल सेहो भाग लेत। मालाबार अभ्यास सहयोग आ परिचालन क्षमताकेँ बढ़यबाक लेल डिजाइन कयल गेल गतिविधिसभक एकटा विस्तृत श्रृंखला पर ध्यान केन्द्रित करत, जाहिमे विषय वस्तु विशेषज्ञ आदान-प्रदानक माध्यमसँ विशेष अभियान, सतह, वायु आ पनडुब्बी-रोधी युद्ध पर चर्चा शामिल अछि।

समुद्री क्षेत्रमे स्थितिजन्य जागरूकतामे सुधार पर जोर देबाक सङ्ग समुद्रमे पनडुब्बी-रोधी युद्ध, सतही युद्ध आ वायु रक्षा अभ्यास जेहन जटिल समुद्री अभियान आयोजित कयल जायत। ०९ अक्टूबरकेँ एकटा विशिष्ट आगंतुक दिवसक योजना बनाओल गेल अछि जाहि अवधिमे चारु देशक प्रतिनिधि मंडलक मेजबानी पूर्वी नौसेना कमानक फ्लैग अधिकारी कमांडिंग-इन-चीफ वाइस एडमिरल राजेश पेंढ़ारकर करताह। ई मालाबार अभ्यास एखनि धरिक सभसँ अधिक व्यापक होबय केर आशा अछि, जाहिमे जटिल परिचालन परिदृश्य सम्मिलित होएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *