चुनाव

महाराष्ट्र विधायक दलक बैसारक लेल निर्मला सीतारमण आ विजय रुपाणीकेँ कयलक भाजपा कमान

नई दिल्ली
*

महाराष्ट्र विधायक दलक बैसारक लेल भाजपा वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ गुजरातक पूर्व मुख्यमंत्री विजय रूपाणीकेँ केन्द्रीय पर्यवेक्षक नियुक्त कयलक अछि।

केंद्रीय पर्यवेक्षकक नियुक्तिकेँ मंजूरी दैत भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा महाराष्ट्र सरकारक गठनक प्रक्रिया शुरू कऽ देलनि अछि। केन्द्रीय पर्यवेक्षक विधायक दलक बैसारमे मुख्यमंत्रीक नामक घोषणा करत।

महाराष्ट्रमे नव सरकारक शपथ ग्रहण समारोह ५ दिसम्बरकेँ होयत। पहिने भाजपा विधायक दलक बैसार बहुत महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि।

भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष चन्द्रशेखर बावनकुले कहलनि अछि जे महाराष्ट्रमे महायुति सरकारक शपथग्रहण समारोह बृहस्पति, ५ दिसम्बर २०२४ केँ साँझ ५ बजे मुंबईक आजाद मैदानमे होयत। प्रधानमंत्री मोदी एहि कार्यक्रममे शामिल हेताह।

ई घोषणा एहेन समयमे कयल गेल अछि जखनि महायुतिमे मुख्यमंत्रीक नाम पर सस्पेंस बनले अछि। राज्यक अगिला मुख्यमंत्रीक चयनक लेल एकनाथ शिंदे, भाजपा नेता देवेंद्र फडणवीस आ एनसीपी नेता अजित पवार गृहमंत्री अमित शाहसँ हुनक आवास पर भेंट कयने छलथि, मुदा कोनो निर्णयक चित्र एखनि धरि सामने नहिं आयल अछि।

केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह, भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा आ सत्तारूढ़ एनडीए गठबंधनक शीर्ष नेता आ भाजपा शासित राज्यक मुख्यमंत्रीक एहि समारोहमे भाग लेबाक आशा अछि। एम्हर प्रशासन नव सरकारक गठनक तैयारी शुरू कऽ देलक अछि। राज्य विधानमण्डलक शीतकालीन सत्र १६ सँ २४ दिसम्बर धरि होयबाक सम्भावना अछि।

यद्यपि महाराष्ट्रक कार्यवाहक मुख्यमंत्री एकनाथ शिंदे बुधदिन एकटा संवाददाता सम्मेलनकेँ सम्बोधित करैत कहलनि, “हम प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीसँ गप्प कयने छी। हम हुनका कहलहुं जे सरकार बनेबामे हमर तरफसँ कोनो बाधा नहिं अछि। अहां तय करू, भाजपा जे निर्णय लेत, ओ निर्णय लागू कएल जाएत। हम अहांकेँ बता रहल छी जे भाजपाक वरिष्ठ नेता मुख्यमंत्री पद लेल जे निर्णय लेताह, भाजपोक नेताक निर्णय लेताह तैयो, ओकरा शिवसेनाक पूरा समर्थन रहत।”

महाराष्ट्र विधानसभा चुनावमे ‘महायुति’ गठबंधनकेँ भारी बहुमत भेटल अछि। भाजपा १३२, एकनाथ शिंदेक नेतृत्ववला शिवसेना ५७ आ अजित पवारक नेतृत्ववला राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी (एनसीपी) ४१ सीट जितने अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *