एकनाथ शिंदेक उदारता महराष्टक जनताक हृदय जीत लेलक अछि। महाराष्ट्रक मुख्यमंत्री आ शिवसेना शिंदे गुटक प्रमुख एकनाथ शिंदे बुधदिन मुख्यमंत्रीक विषयमे चलि रहल चर्चाकेँ समाप्त कऽ देलनि। ओ कहलनि, “हमरा मुख्यमंत्री बनबाक कोनो इच्छा नहि अछि। पीएम मोदी आ अमित शाह जे निर्णय लेताह से हम स्वीकार करब। सरकार बनाबै काल हमरा तरफसँ कोनो बाधा नहि आओत। हम चट्टान जकाँ एक संग ठाढ़ छी। भाजपाक बैसारमे जे निर्णय होयत से हमरा स्वीकार होयत, हम भाजपाक मुख्यमंत्रीक स्वीकृति दैत छी।”
मुख्यमंत्री शिंदे कहलनि, “पिछला अढ़ाई सालमे पीएम मोदी आ अमित शाह हमरा पूरा समर्थन कयलनि। अमित शाह आ पीएम मोदी बालासाहेब ठाकरेक एकटा आम शिवसैनिककेँ मुख्यमंत्री बनयबाक सपना पूरा कयलनि। ओ सभ सदैव हमरा संग ठाढ़ रहलाह। ओ हमरा पर विश्वास करैत छथि। ओ हमरा मुख्यमंत्री बनओलनि आ एकटा पैघ जिम्मेदारी देलनि। हम कानय आ झगड़य बला नहिं छी। हम भागयवाला नहि छी, हम समाधानकर्ता छी। हम सभ एहेन लोक छी जे एक संग काज करैत छी। हम अढ़ाई सालसँ बहुत काज कयलहुँ अछि। महाराष्ट्रमे विकासक गति बढ़ल अछि। हम सभ वर्गक बेहतरी के लेल काज कयलहुँ अछि।”
एकनाथ शिंदे कहलनि जे “महाराष्ट्रमे महायुतिकेँ बहुमत भेटल अछि। हम जनताकेँ धन्यवाद दैत छी। लोक महायुति पर विश्वास जतौलनि अछि। विकास योजनाक समर्थन कयलनि अछि। हम बुझैत छी जे आम आदमीकेँ कतए दिक्कत होइत अछि। हम अपनाकें कहियो मुख्यमंत्री नहिं मानलहुँ। हम एकटा आम आदमी जकाँ काज कयलहुँ। हम महाराष्ट्रक समस्याक समाधानक कोशिश कयलहुँ। हमर काजक परिणाम देखबामे आबि रहल अछि। हम लाडली बहन योजना पर काज शुरू कयलहुँ। हम लाडली बहिनक लाडला भाई छी।”
ओ कहलनि, “जँ हमरा कारण महाराष्ट्रमे सरकार बनेबामे कोनो समस्या आबैत अछि तऽ पीएम मोदी आ अमित शाह अपनामे कोनो संदेह नहिं आनथि, अहाँ जे निर्णय लेब, हम ओकरा स्वीकार करब। अहाँ हमर परिवारक मुखिया छी। जहिना भाजपाक लोक अहाँक निर्णय स्वीकार करत, तहिना हम सेहो अहाँक निर्णयकेँ ओहिना स्वीकार करब। हम काल्हि प्रधानमंत्री मोदी आ गृह मंत्री अमित शाहकेँ फोन कयलहुँ आ कहलहुँ जे हमरा कारणेँ सरकार बनयबामे कोनो समस्या नहि होयत।
महाराष्ट्रमे नव मुख्यमंत्रीक चयन पय महायुतिमे निर्णय लेबामे देरी पर विपक्ष सवाल उठौने छल। दावा कयल गेल छल जे भाजपा आलाकमान जातिगत समीकरणसँ राजगक सहयोगी दलकेँ सङ्ग लऽ जयबाक प्रयास कऽ रहल अछि। एहेन कयास लागल छल जे देवेंद्र फडणवीस मुख्यमंत्री बनला पर एकनाथ शिंदे सरकारक हिस्सा नहिं होबय चाहता। एकनाथ शिंदे बुधदिन एहि अटकलसभकेँ समाप्त कऽ देलनि।