शिक्षा

नाॅर्मलाइजेशनक विरुद्ध प्रदर्शनमे पटनामे बीपीएससी कार्यालय लग अभ्यर्थी पर लाठीचार्ज

पटना
*

पटनामे बिहार लोक सेवा आयोग लग पहुँचल अभ्यर्थी पर पुलिस लाठीचार्ज कयलक। ७०म सिविल सेवा परीक्षामे नाॅर्मलाइजेशनक विरोधमे अभ्यर्थी बीपीएससी कार्यालय लग पहुँचल छलाह, मुदा पुलिस अभ्यर्थी सभकेँ ओतय जयबासँ रोकि देलक। जखनि उम्मीदवार लोकनि पुलिसक विरोध कयलनि तखनि पुलिस ओहि उम्मीदवारपर लाठीचार्ज कयलक। पुलिस उम्मीदवारसभकेँ सड़क पर दौड़ा-दौड़ा कऽ पीटलक। एहि घटनाक कारण ओतय भगदड़ मचि गेल। अभ्यर्थी सभक माँग छल जे सामान्यीकरण लागू नहि कयल जेबाक चाही। संगहि ओ वन शिफ्ट-वन पेपरक माँग कयने छथि। एहि घटनामे कतेको उम्मीदवार घायल भेल छथि।

एहि मामिलामे बीपीएससीक सचिव सत्य प्रकाश शर्मा स्पष्ट रूपसँ कहलनि जे सामान्यीकरण लागू नहि कयल जायत। एहि बारेमे अफवाह पसारल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे किछु लोक आयोग केर बदनाम करय चाहैत छथि। प्रश्नक चारि सेटक प्रयोग कएल जाएत। सभटा सीट अलग-अलग रंगक होएत। ओही परीक्षामे मात्र एकटा सेटक उपयोग कयल जायत।

प्रारंभिक परीक्षा १३ दिसम्बरकेँ अछि। एहि परीक्षामे मात्र एकटा सेटक उपयोग कयल जाएत।

बिहार लोक सेवा आयोग 2035 पद के लेल ई परीक्षा आयोजित कऽ रहल अछि। प्रारंभिक परीक्षा १३ दिसम्बरकेँ बिहारक ३६ जिलाक ९२५ केन्द्रपर निर्धारित अछि। पटना जिलामे ६० सँ बेसी परीक्षा केन्द्र स्थापित कयल गेल अछि। प्रारंभिक परीक्षा एकहि पालीमे होयत। परीक्षा दुपहरिया १२ बजेसँ दुपहरिया २ बजे धरि होएत। एहि परीक्षामे लगभग 4 लाख 80 हजार अभ्यर्थी उपस्थित होएत। परीक्षार्थी सभकेँ परीक्षासँ एक सप्ताह पहिने परीक्षा स्थलक जानकारी देल जायत। तखने शहरक परीक्षा केन्द्रक जानकारी परीक्षासँ तीन-चारि दिन पहिने देल जायत। बीपीएससी ७०म संयुक्त प्रतियोगी परीक्षाक ई-प्रवेश पत्र डाउनलोड कय सकैत छी। अभ्यर्थी www.patel.com सँ प्रवेश पत्र डाउनलोड कऽ सकैत छथि। bpsc.bih.nic.in वा www.onlinebpsc.bihar.gov.in सँ सेहो अहाँ एकरा डाउनलोड कए सकैत छी।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *