विधि-व्यवस्था

जमीनक बदला नौकरी मामिलामे लालू यादवकेँ दुनू बेटाक संग आइ सोमकेँ दिल्ली कोर्टमे पेशी

पटना
*

राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादवक संग हुनकर दूनू बेटा तेजस्वी यादव आ तेज प्रताप यादव सेहो लैंड फॉर जॉब मामिलामे आइ सोमकेँ दिल्लीक राउज एवेन्यू कोर्टमे पेश हेताह।

लैंड फॉर जॉब मामिलामे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ राष्ट्रीय जनता दलक प्रमुख लालू प्रसाद यादवक कठिनाई कम नहिं भऽ रहल अछि। यादव आ हुनकर दूनू बेटा तेजस्वी यादव आ तेज प्रताप यादव दिल्लीक राउज एवेन्यू अदालतमे आइ उपस्थित हेताह। ईडी एहि मामिलामे पूरक आरोपपत्र दाखिल कयने छल, जकर आधार पर अदालत तीनू गोटेकेँ सम्मन पठौने छल। यादव आ हुनक परिवारक सदस्यपर भारतीय रेलवेमे नौकरीक बदलामे जमीनक रूपमे अवैध लाभ अर्जित करबाक आरोप अछि।

लालू यादव एयर इंडियाक विमानसँ पटनासँ दिल्ली लेल रवाना भेल छथि। ओतहि तेजस्वी यादव सेहो अपन विदेश दौरासँ उपस्थिति लेल दिल्ली घुरि आयल छथि।

एहि मामिलामे तेज प्रताप यादव पहिल बेर कोर्टमे पेश हेताह। अदालत पिछला सुनवाईक दौरान कहने छल जे अदालतकेँ ई निष्कर्ष निकालय केर बाध्यकारी आधार भेटैत अछि जे तेज प्रताप यादव से हो अधिग्रहण आ अपराधक आय नुकाबयमे शामिल छलाह आ एहि तरहेँ वर्तमान पूरक शिकायत पर सम्मनक पात्र छथि।

प्रवर्तन निदेशालय लालू प्रसाद यादव पर आरोप लगओलक अछि जे ओ अपराधक आयक अधिग्रहणकेँ छुपाबय लेल अपन परिवारक सदस्य आ सहयोगीक सङ्ग आपराधिक षडयन्त्र कयलनि।
एजेंसी आरोप लगओलक जे जखन प्रसाद रेल मंत्री छलाह तखन मुख्य रूपसँ पटनाक महुआ बागक जमीन मालिक लोकनिकेँ रेलवेमे नौकरी देबाक वादा करैत कम दाम पर अपन जमीन बेचबाक लेल राजी कयल गेल छल।

ईडीक आरोप छल जे एहिमेसँ बहुत रास भूखंड यादव परिवारक पहिनेसँ मौजूद जमीनसँ सटल छल। एहि मामिलामे सात भूखंडमेसँ छओ भूखण्ड राबड़ी देवीसँ जुड़ल छल आ प्रत्यक्ष वा अप्रत्यक्ष रूपसँ प्राप्त कयल गेल छल।

ईडी कहलक जे ई मामिला २००४ सँ २००९ धरि प्रसादक रेल मंत्रीक कार्यकालमे मध्य प्रदेशक जबलपुरमे स्थित रेलवेक पश्चिम मध्य क्षेत्रमे समूह-डी नियुक्तिसँ सम्बन्धित अछि। ईडीक अनुसार, ई नियुक्ति राजद प्रमुखक परिवार वा सहयोगी सभकेँ हस्तांतरित या उपहारमे देल गेल जमीनक बदलामे कयल गेल छल।
अदालत एहि मामिलामे आठो अभियुक्तकेँ सम्मन जारी कयने छल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *