इजरायलक हवाई हमलाक बाद लेबनान सोमदिन २ दिनक लेल सभ स्कूल आ कॉलेज बंद कऽ देलक अछि। बाजार सेहो बंद करबाक आदेश देल गेल अछि। एहतियातक रूपमे लोकसभकेँ यथासंभव अपन घरमे रहबाक निर्देश देल गेल अछि।
गाजामे फिलिस्तीन सङ्ग चलि रहल युद्धक बीच इजरायल मध्य पूर्व देश लेबनानमे हिजबुल्लाह संगठनक अड्डा पर हवाई हमला कयलक अछि। इजरायलक सेना सोमदिन एकटा बयान जारी कऽ हवाई हमलाक जानकारी देलक। इजरायल रक्षा बल (आईडीएफ) कहलक जे सोमदिन भोर ६:३० बजे (स्थानीय समयानुसार भोर ३:३० बजे) सँ ७:३० बजेक बीच हिजबुल्लाहक ३०० लक्ष्यपर मिसाइल आ रॉकेटसँ लगभग १५० हमला कयल गेल। एहि हमलामे ३१ लोकक मृत्युक समाचार अछि।
रिपोर्टक अनुसार, हवाई हमलाक बाद लेबनान सोमदिन २ दिनक लेल सभ स्कूल आ कॉलेज बंद कऽ देलक अछि। बाजार सेहो बंद करबाक आदेश देल गेल अछि। एहतियात केर रूपमे लोकसभकेँ यथासंभव अपन घरमे रहबाक निर्देश देल गेल अछि।
लेबनानक आधिकारिक मीडियाक अनुसार, हवाई हमलासँ पहिने इजरायल लेबनानक लोकक मोबाइल नंबरपर अलर्ट पठौने छल। लोककेँ बाहर निकलए लेल कहल गेल छल। एकर किछुए समय बाद हवाई हमला कयल गेल। लेबनानक सूचना मंत्री जायद मिकरीक कार्यालय समाचार एजेंसी अनुसार सोमदिन लोकसभकेँ फोनपर इजरायलसँ चेतावनी भेटल। हुनका सभकेँ सुरक्षित जगह पर जाए केर लेल कहल गेल छल।
लेबनानक राष्ट्रीय समाचार एजेंसी (एनएनए) कहलक, “बेरूत आ अन्य क्षेत्रक लोकसभकेँ लैंडलाइन टेलीफोन पर चेतावनीक कॉल आयल। ई इजरायलसँ भेजल गेल एकटा रिकॉर्डेड संदेश छल। दुश्मन देश एक तरहें मनोवैज्ञानिक युद्ध शुरू कए देलक अछि।
बेरूत केर लगपासक लोकसभकेँ मोबाइल फोन पर टेक्स्ट मैसेज भेजि कए सतर्क कएल गेल छल. प्रेषकक नंबर पाठ संदेशमे दृष्टिगोचर नहिं छल। संदेश एकटा अनचिन्हार नम्बरसँ भेजल गेल छल।
बेरूतक नागरिक खालिद कहलनि, “हमरा मोबाइल पर एकटा टेक्स्ट मैसेज भेटल। “जँ अहाँ कोनो एहेन भवनमे रहैत छी जतय हिजबुल्लाहक हथियार अछि, तखनि तुरन्त ओहिसँ बाहर निकलि जाउ। ताकि अहाँ अपन जान बचा सकब।
लेबनानक दूरसंचार प्रदाता ओगेरोक प्रमुख इमाद किरिडियाह कहैत छथि, “लेबनानमे लैंडलाइन नेटवर्क सिस्टम अवरुद्ध कऽ देल गेल अछि। मुदा इजरायल अंतर्राष्ट्रीय फोन कोडक माध्यमसँ संचार प्रणालीकेँ प्रभावित कऽ रहल अछि।