देश-दुनिया

अमेरिकी राष्ट्रपति चुनावक २३५ बरखक इतिहासमे एहि बेर कमला हैरिस जीतक प्रबल दावेदार

नई दिल्ली
*

दुनियाकेँ लोकतांत्रिक मूल्यक सबक सिखाबय बला सबसँ शक्तिशाली देश अमेरिका, की एहि बेर ओ करत, जे दशक पहिने भारत कय चुकल अछि ? की कोनो महिला देशक सर्वोच्च संवैधानिक पद पर आसीन होयत ? की अमेरिका अपन कमान भारतीय अफ्रीकी मूलक कमला हैरिसकेँ सौंपि देत ?
ई प्रश्न एहि लेल उठि रहल अछि किएक तँ ई देश इतिहास रचबाक दहलीज पर ठाढ़ अछि। बाइडेन स्वयं चुनावक रणसँ हटलाक बाद डेमोक्रेट कमला हैरिसकेँ अपन उम्मीदवारक रूपमे घोषित कयलनि अछि। जँ ई देश चाहैत अछि तखन एहि बेर अमेरिकाक राजनीतिक इतिहासमे एहेन होयत जे पहिने कहियो नहिं भेल छल।

अमेरिकाक पहिल महिला उपराष्ट्रपति कमला हैरिस आब अमेरिकाक राष्ट्रपति पदक दौड़मे शामिल भऽ गेल छथि। ओ राष्ट्रपतिक लेल चुनाव लड़निहार पहिल भारतीय-अफ्रीकी महिला छथि। अमेरिकी राष्ट्रपति जो बाइडेनक हटलाक बाद कमला हैरिस आधिकारिक रूपसँ डेमोक्रेटिक पार्टीक उम्मीदवारक रूपमे चुनल गेलीह।

कमला हैरिस २० जनवरी, २०२१ केँ अमेरिकाक पहिल उपराष्ट्रपति बनलीह। हुनकासँ पहिने कोनो महिला एहि पद पर नहि पहुँचि सकलीह। यद्यपि, २०१६ मे हिलेरी क्लिंटन डोनाल्ड ट्रम्पकेँ राष्ट्रपति पदक लेल चुनौती देलनि। लेकिन, हुनका हारिक सामना करए पड़ल। कमलाक जन्म २० अक्टूबर, १९६४ केँ कैलिफोर्नियामे भारतीय आ जमैका मूलक माता-पिताक घर भेल छल। कमला हैरिसक माता श्यामा गोपालन भारतीय मूलक छलीह आ हुनकर पिता डोनाल्ड जैस्पर हैरिस जमैकासँ सम्बन्धित छलाह। कमला हैरिसक बचपन नीक नहिं छल।

जखन ओ सात वर्षक छलीह तखन हुनक माता-पिता अलग भऽ गेलैथ। हुनकर माय श्यामला गोपालन कमला आ हुनक बहिनक देखभाल करैत छलीह। ओ अपन मायक जीवनसँ बहुत किछु सीखलनि। बचपनमे ओ अपन मायक सङ्ग हिन्दू मन्दिरमे जाइत छलीह। एहि दौरान ओ भारत सेहो अबैत आ जाइत रहल। ओ हार्वर्ड विश्वविद्यालय आ कैलिफोर्निया विश्वविद्यालयमे कानूनक अध्ययन कयलनि। कमला हैरिस २०१४ मे वकील डगलस एम्पहाॅफसँ विवाह कयलनि। हुनकर पति यहूदी छथि। अमेरिकी राष्ट्रपति चुनावक २३५ सालक इतिहासमे कमला हैरिसकेँ जीतक सबसँ प्रबल दावेदार मानल जाइत अछि। मुदा की महिला सशक्तिकरणक वकालत करयवाला देश ओ करत, जे भारत दशक पहिने साबित कय चुकल अछि ?

भारतक बात करब तऽ इन्दिरा गाँधी देशक पहिल प्रधानमन्त्री छलीह। एक बेर नहिं बल्कि तीन बेर, १९६६ सँ १९७७ धरि, फेर १९८० सँ ८४ धरि, अर्थात देशक स्वतंत्रताक डेढ़ दशकक बाद, भारत महिला सशक्तिकरणक एकटा अद्भुत उदाहरण प्रस्तुत कयलक। संगहि ई देश दूटा महिलाकेँ राष्ट्रपति पद पर चुनलक अछि। प्रतिभा देवी सिंह पाटिल, २००७ सँ २०१२ धरि आ वर्तमानमे द्रौपदी मुर्मू २०२२ सँ सर्वोच्च संवैधानिक पद पर छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *