विधि-व्यवस्था

झारखंडक मंत्री आलमगीर आलम ६ दिनक लेल ईडीक हिरासतमे

राँची
*

झारखंडमे ग्रामीण विकास मंत्री आलमगीर आलमकेँ ईडी मनी लॉन्ड्रिंगक मामिलामे गिरफ्तार कयलक अछि। ईडी आलमगीरकेँ आइ पीएमएलए अदालतमे पेश कयलक। पेशीक बाद अदालत मंत्रीकेँ ६ दिनक ईडी रिमांड पर भेज देलक अछि। ईडी मंत्रीसँ पूछताछ करबाक लेल अदालतसँ १० दिनक रिमांड माँगने छल, मुदा वर्तमानमे रिमांड ६ दिनक लेल देल गेल अछि।

१० घंटाक पूछताछक बाद ईडी हुनका गिरफ्तार कयलक।
ईडी मंत्री आलमगीरसँ निजी सचिव आ हुनकर सहायकक फ्लैटसँ ३४ करोड़ टाकासँ बेसी नकद बरामद कयने छल। एकर बाद मंत्री आलमगीर आलमसँ सेहो ईडी लगभग १५ घंटा धरि पूछताछ कयलक। आलमगीर आलमकेँ आइ पीएमएलए अदालतमे पेश कयल गेल। अदालत ईडीक तरफसँ रिमांड याचिका पर सुनवाई करैत ६ दिनक रिमांडक मंजूरी देलक अछि। ईडी १० दिनक रिमांडक मांग कयने छल।

आलमगीर कहलनि – निजी सचिवक करतूतक नहिं छल जानकारी।
झारखण्डक मंत्रीसँ ईडी कार्यालयमे लगभग १५ घंटा धरि पूछताछ कयल गेल। एहि दौरान आलमगीर अपन निजी सचिवसँ भेटल करोड़ो टाकाक जानकारीसँ इनकार करैत रहलाह। ओ इहो कहने छलाह जे मीडियामे रिपोर्ट आबि गेलाक बाद हुनका एहि रुपयाक विषयमे पता चलल। अदालतमे पेशीक क्रममे सेहो ओ निजी सचिवक लग भेटल करोड़ो नकदक विषयमे अनभिज्ञता देखौलनि।

पीएमएलए अदालत एखन ईडीकेँ आलमगीरसँ पूछताछ करबाक आ जवाब दाखिल करबाक लेल ६ दिनक रिमांड देलक अछि। एहि ६ दिनक बाद फेरसँ पेशी होयत जाहिमे ईडी अपन तर्क प्रस्तुत करते आ अदालतमे रिपोर्ट करत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *