जेडीयू नेतागण झारखंड चुनावक संबंधमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक संग बैसार कयलनि। एहि बैसारमे झारखण्ड इकाईक सङ्ग गठबंधन, भाजपा आ चुनावी रणनीतिक सम्बन्धमे चर्चा भेल अछि।
जेडीयू झारखंड चुनावक तैयारी शुरू कऽ देलक अछि। विधानसभा चुनावक सम्बन्धमे शनिदिन मुख्यमंत्रीक निवास पर झारखण्डक नेतासभक सङ्ग बैसार भेल। बैसारक बाद बिहारक ग्रामीण विकास मंत्री श्रवण कुमार घोषणा कयलनि अछि जे जेडीयू झारखण्डमे गठबन्धनक अन्तर्गत चुनाव लड़त।
झारखण्डक प्रदेश अध्यक्ष खिरू महतो कहलनि जे राज्यमे भेल पछिला विधानसभा चुनावमे समन्वयक कमीक कारण भाजपाक सरकार नहिं बनल। हम झारखंड भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडीकेँ साफ-साफ बता देने छी जे जँ भागीदारी नहिं होयत तऽ एनडीए केर प्रदर्शन नीक नहिं रहत। सरयू राय हमरा संगे छथि। हम जेडीयूमे हुनकर स्वागत करैत छी।
खिरू महतो एहि बैसारक विषयमे कहलनि जे झारखण्डक नेता लोकनि कुर्मी आ कुर्मी उपजातिकेँ अनुसूचित जातिमे रखबाक लेल मुख्यमंत्री नितीशसँ भेंट कयलनि। एहि बैसारमे बिहार जेडीयूक सभ अधिकारी उपस्थित छलाह। नीतीश कुमार एहि माँगकेँ संसदक सत्रक बीचमे रखबाक आश्वासन देलनि अछि। एहि मुद्दा पर पीएम मोदी आ अमित शाहसँ सेहो बातचीत होएत। बैसारमे एहि बातपर चर्चा भेल जे भाजपा आ जेडीयू एक दोसराक लेल सीट छोड़ि चुनाव लड़त।
बिहारक मंत्री श्रवण कुमार कहलनि जे “निश्चित रूपसँ बहुत रास मामिलापर चर्चा भेल अछि आ जँ सीटक सवाल अछि तखन गठबंधनपर विचार कयल जायत।” आबयवला दिनमे ई पता चलत जे गठबंधन किनका सभसँ होयत, मुदा आइ चुनावक सम्बन्धमे एकटा महत्वपूर्ण बैसार छल।