एक तरफ नीतीश कुमार बेर-बेर कहि रहल छथि जे ‘दू बेर गलती भेल, आब नहिं’, मुदा दोसर दिसि जदयू प्रवक्ता डिप्लोमेटिक तेवर अपनेने ‘सभटा संभावना बरकार अछि’, ई कहैत राजनीतिक माहौलकेँ भरियेने छथि, अर्थात एनडीएमे दबाव बनबय केर नीति केर तहत दुदुसिया बोल बाजि रहल छथि – ‘गाइयो हँ बड़दियो हँ।’
हालक बयानमे जदयू प्रवक्ता अभिषेक झा कहलनि जे बिहार पिछला साल मकर संक्रांति पर राइट टर्न लेने छलथि। नीतीश कुमार एकटा पैघ निर्णय लैत राजगक संग चलि गेलाह आ राजद सत्तासँ बाहर भऽ गेल।
एम्हर मकर संक्रांतिक बाद राजद तेजस्वी सरकारक दावा कयलक अछि। एहि पर जदयू प्रवक्ता अभिषेक झा कहलनि जे राजनीतिमे कोनो स्थायी मित्र वा दुश्मन नहिं होइत अछि। परिस्थितिक अनुसार निर्णय लेल जाइत अछि, मुदा वर्तमान स्थिति ई अछि जे नीतीश कुमार राजगमे रहबाक निर्णय लेने छथि।
अभिषेक झा कहलनि कि लालू यादवक लंबा अनुभव अछि। ओ कहैत छथि जे नीतीशकेँ संग अयबाक चाही। मुदा तेजस्वी यादव कहैत छथि जे ओ नीतीश कुमारकेँ संग नहि लेताह। तेजस्वीकेँ लगैत अछि जे हुनकर राजनीतिक कद छोट भऽ जायत। लालू यादव आ तेजस्वी यादवक बयानमे विरोधाभास अछि। पहिने हुनका सभकेँ एहि गुत्थीकेँ हल करबाक चाही।
जदयू प्रवक्ता आगू कहलनि जे बिहार पिछला साल मकर संक्रांति पर राइट टर्न लेने छल।नीतीश कुमार एकटा पैघ निर्णय लेलनि आ राजगक संग चलि गेलाह आ राजद सत्तासँ बाहर भऽ गेल। इ राजद याद राखय जे एहि बेर मकर संक्रांति पर कोनो खेला नहिं होयत। आरजेडी द्वारा कार्यकर्ता सभक मनोबल बढ़ेबाक लेल भ्रामक बात पसारल जा रहल अछि।
राजद प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी तिला संक्रांति पर राजनैतिक खेलाक दावा कयने छथि। मृत्युंजय तिवारी कहलनि जे बिहारक 14 करोड़ जनता तेजस्वी यादवक माथ पर तिला संक्रांति पर दहीक तिलक लगाओत। बिहार राइट टर्न लेत आ तेजस्वी सरकारक गठन होयत। आगू-आगू देखू जे की होइत अछि। बस खरमास (14 जनवरी) केँ बीतय दियौ। राजनीति संभावनाक खेल अछि। के गारंटी लेत जे कखनि की भऽ जाएत ?
ओना, राजनीतिक विश्लेषकक मानब छनि जे राजदक दावामे कोनो दम नहि अछि। एहि साल बिहारमे विधानसभा चुनाव हेबाक अछि। एहि चुनावक लेल सभ राजनीतिक दल अपन तैयारी शुरू कऽ देलक अछि। एकर गति एखनो धीमा अछि, मुदा मानल जाइत अछि जे खरमासक बाद अर्थात १४ जनवरी, २०२५ केँ दही-चूड़ा भोजक बादसँ २०२५ केर तैयारीमे सभ पार्टी चुनाव मैदानमे हिसाब बराबर करय केर मूडमे अछि।