चुनाव

जन सुराज बिहार उपचुनाव आगू बढ़बय लेल पहुँचल सुप्रीम कोर्ट

पटना
*

प्रशांत किशोरक पार्टी जन सूरज महापर्व छठिक कारण चुनाव स्थगित करबाक मांग कऽ रहल अछि। पार्टीक कहब अछि जे महोत्सवक बाद २० नवम्बरकेँ मतदान होय। ओना चुनाव आयोग १३ नवम्बरकेँ चुनाव कराबय चाहैत अछि।

प्रशांत किशोरक पार्टी जन सुराज बिहार उपचुनाव स्थगित करबाक मांग करैत सुप्रीम कोर्ट पहुँचल अछि। जन सुराज पार्टी (जेपी) सुप्रीम कोर्टमे याचिका दायर कए बिहारक चारि विधानसभा सीट पर 13 नवंबरकेँ होबय वाला उपचुनाव स्थगित करय केर मांग कयलक अछि। चुनाव आयोग प्रशांत किशोरक पार्टीक एहि मांगसँ सहमत नहि अछि। एहि कारणेँ पार्टी आब एहि मुद्दा पर अदालतमे पहुँचि गेल अछि।

प्रशांत किशोरक जन सुराज पार्टीक अनुसार बिहारमे उपचुनावक तिथि बढ़ाओल जेबाक चाही। जन सुराज पार्टी द्वारा दायर याचिकामे छठि पूजाक हवाला दैत बिहारमे उपचुनावक तारीख १३ नवंबर सँ बढ़ाकेँ २० नवंबर करय केर मांग कयल गेल अछि।

निर्वाचन आयोग जन सुराज पार्टीक माँग नहि मानलक आ बिहारमे उपचुनावक तिथि नहि बढ़ौलक। एकर बाद चुनाव आयोगक फैसलाक खिलाफ सुप्रीम कोर्टमे याचिका दायर कयल गेल अछि। सर्वोच्च न्यायालय सोमदिन ११ नवम्बरकेँ जन सुराज पार्टीक याचिकापर सुनवाई करत। याचिकामे जन सुराज पार्टी दलील देलक अछि जे उत्तर प्रदेश, पंजाब आ केरलमे चुनावक तारीख चुनाव आयोग धार्मिक घटनाक आधार पर बढ़ा देलक, जखन कि बिहारमे छठि सन लोक उत्सवक बावजूद उपचुनावक तारीख नहि बढ़ायल गेल अछि। याचिकाक अनुसार, बिहारमे चुनाव स्थगित करबाक अनुरोधकेँ स्वीकार करबासँ निर्वाचन आयोग द्वारा मना करब अन्यायपूर्ण अछि आ संविधानक अनुच्छेद १४क अन्तर्गत प्रदत्त समानताक अधिकारक सेहो उल्लंघन अछि।

बिहारक चारिटा विधानसभा सीटपर उपचुनाव भऽ रहल अछि। बेलागंज, इमामगंज, रामगढ़ आ तरारीमे एक सालक लेल प्रायः नव विधायक चुनल जयबाक अछि। एकर बाद वर्तमान सरकारक कार्यकाल समाप्त भऽ जायत आ फेर विधानसभा चुनाव होयबाक अछि। चारिटा विधानसभा सीटक उपचुनाव १३ नवम्बर आ परिणाम २३ नवम्बरकेँ आओत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *