अपराध जयपुरक ५६ स्कूलकेँ भेटल बम ब्लास्टक धमकी, मुदा नहिं भेटल कोनो संदिग्ध वस्तु, जाँच जारी May 14, 2024 Maithil Punarjagran Prakash जयपुर * जयपुर शहरक ५६ स्कूलमे विस्फोटक सामग्रीक सूचना भेटल अछि, जाहि लेल स्थानीय पुलिस आ राज्य विशेष शाखाक सभ दल सक्रिय अछि। एखन धरि कोनो स्कूलमे एहन कोनो सामग्री नहिं भेटल अछि मुदा जाँच चलि रहल अछि। ई सभ ई-मेल एकटा सामान्य स्रोत द्वारा पठाओल गेल अछि, जल्दिये ओहि स्रोतक पहिचान कऽ कानूनी कार्रवाई कयल जायत। जयपुर पुलिस शहरमे सुरक्षा बनाकऽ रखबाक लेल पूर्ण रूपसँ सतर्क अछि। १३ मई, २००८ केँ जयपुरक परकोटमे आठ ठाम सिलसिलेवार विस्फोट भेल छल। सोमकेँ जयपुर विस्फोटक वर्षगाँठ पर राजधानीक ६ सँ बेसी स्कूलकेँ बमसँ उड़ाबय केर धमकी देल गेल अछि। अज्ञात व्यक्ति सभ स्कूलक प्रिंसिपलकेँ भोरमे मेलक माध्यमसँ स्कूलक भवनमे बमक सूचना देलक। आनन-फाननमे पूरा स्कूलकेँ खाली करा देल गेल। पुलिस टीम ओहि स्कूल धरि पहुँचि गेल अछि जकरा सभकेँ ईमेल भेटल अछि। खोजी कुकुर टीमक संग पहुँचल बम निरोधक दस्ता स्कूलसभकेँ खाली करा देलक आ जाँच शुरु कऽ देलक। जयपुरक पुलिस आयुक्त बीजू जॉर्ज जोसेफ कहलनि जे एखन धरि चारिटा पैघ स्कूलकेँ बमक धमकी देबाक समाचार भेटल अछि। बम निरोधक दस्ताक संग पुलिसक टीम स्कूल पहुँचि गेल अछि। विद्यालयसँ छात्र आ कर्मचारी सभकेँ निकालि तलाशी अभियान शुरू कऽ देल गेल अछि। ईमेल केर प्रेषककेँ पहिचानबाक कोशिश कयल जा रहल अछि. डीसीपी पूर्वी कवियेन्द्र सागर कहलनि जे विद्याश्रम, माहेश्वरी पब्लिक स्कूलक मोती डुंगरी आ मालपुर शाखाक सङ्ग-सङ्ग माणक चौकक सेंट टेरेसा स्कूलकेँ ई-मेलक माध्यमसँ ई धमकी भेटल छल। एकर बाद तुरन्त स्कूल पहुंचि जांच शुरू कऽ देल गेल अछि। एखन धरि कोनो बम नहि भेटल अछि। बम निरोधक दस्ता घटनास्थल पर अछि। स्कूलकेँ खाली करा देल गेल अछि। एक दिन पहिने रविदिन जयपुर अन्तर्राष्ट्रीय हवाई अड्डाक सङ्ग देशक कतेको हवाई अड्डापर बमक धमकी देल गेल छल। ईमेलमे लिखल गेल छल जे दिल्ली, जयपुर, अहमदाबाद, गुवाहाटी, जम्मू, लखनऊ, पटना, अगरतला, औरंगाबाद, बागडोगरा, भोपाल आ कालीकटक एअरपोर्टक भवनमे बम नुकायल गेल अछि। किछु घंटामे विस्फोट भए जाएत। एहि ईमेलकेँ धमकीक रूपमे नहिं लिय। बमकेँ निष्क्रिय करू, नहिं तऽ बहुत रास निर्दोष लोक मरि जाएत। १३ मई, २००८ केँ जयपुरक परकोटमे आठ ठाम सिलसिलेवार विस्फोट भेल छल। एहि विस्फोटमे ७३ लोक मारल गेल छल, जखन कि १८५ घायल भेल छल। एहि मामिलामे अदालत बम विस्फोटक दोषीसभकेँ २० दिसम्बर २०१९ केँ मृत्युदण्डक सजा सुनओलक। बचाव पक्ष द्वारा २४ गोट गवाह प्रस्तुत कयल गेल, जखन कि सरकार दिससँ १२७० गवाह उपस्थित भेलाह। सरकारक तरफसँ वकील ८०० पृष्ठक बहस कयने छल। कोर्ट २५०० पृष्ठक फैसला देलक। मुदा, एहि सभटा दोषीकेँ पछिला साल राजस्थान उच्च न्यायालय बरी कऽ देलक। Spread the love