सुरक्षा

ईरान भारतीय अधिकारीसभकेँ जब्त जहाजक १७ भारतीय चालक दलक सदस्यसँ भेंट करबाक देलक अनुमति

नई दिल्ली
*

ईरानक विदेश मंत्री होसैन अमीर-अब्दुल्लाहियन कहलनि अछि जे तेहरान भारतीय अधिकारीसभकेँ ओहि मालवाहक जहाजक १७ भारतीय चालक दलक सदस्यसँ भेंट करबाक अनुमति देत, जकरा शनिदिन होर्मुज जलडमरूमध्य लग ईरानी सेना द्वारा जब्त कयल गेल छल।
अमीर-अब्दुल्लाहियान रविदिन टेलीफोन पर बातचीतक दौरान विदेश मंत्री एस जयशंकरकेँ ई जानकारी देलनि। वार्तामे जयशंकर पुर्तगाली झण्डा बला मालवाहक जहाज एमएससी एरीज सवार भारतीयलोकनिक रिहाईक आह्वान कयलनि।

ईरानी रीडआउटमे अमीर-अब्दुल्लाहियनक हवाला सँ कहल गेल छल, “हम जब्त जहाजक विवरणपर नजर राखि रहल छी आ जल्दिये भारत सरकारक प्रतिनिधिक लेल उक्त जहाजक चालक दलसँ भेंट करब संभव भऽ जायत।”

एहिमे कहल गेल अछि जे जयशंकर १७ भारतीय चालक दलक सदस्यक स्थितिपर चिन्ता व्यक्त कयलनि आ एहि सम्बन्धमे ईरानसँ सहायताक अनुरोध कयलनि। ईरानक इस्लामिक रिवोल्यूशन गार्ड्स कोर (आईआरजीसी) केर विशेष नौसैनिक बल कथित तौर पर ईजरायलक संग एकर संबंधक कारण एमएससी एरीजकेँ जब्त कय लेलक।

एमएससी (भूमध्यसागरीय शिपिंग कंपनी) शनिदिन कहलक जे ओ चालक दलक २५ सदस्यक कल्याण आ जहाजक वापसीक लेल सम्बन्धित अधिकारीसभक सङ्ग मिलिकऽ काज कऽ रहल अछि।

ईरानी कार्रवाईक किछु घंटाक बाद व्हाइट हाउसक राष्ट्रीय सुरक्षा परिषदक प्रवक्ता एड्रिएन वाटसन कहलनि जे जहाजक चालक दलमे भारतीय, फिलिपिनो, पाकिस्तानी, रूसी आ एस्टोनियाई नागरिक शामिल छलाह।

भारतक आधिकारिक सूत्र कहलनि जे ओ १७ भारतीयक रिहाई सुनिश्चित करबाक लेल ईरानक सम्पर्कमे अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *