पर्यावरण

दुनियाक सबसँ प्रदूषित शहरक टाॅप-२ मे भारत-पाकिस्तानक जिला

नई दिल्ली
*

भारत सहित दुनियाक विभिन्न शहरक लोकसभकेँ सांस लेबामे समस्याक सामना करय पड़ि रहल अछि। दुनियाक १२१ सबसँ प्रदूषित देशक सूचीमे भारतक तीनटा शहर अछि। एहिमे राजधानी दिल्ली, कोलकाता आ मुम्बई अछि। १३ नवंबरकेँ राजधानी दिल्ली स्विस फर्म आईक्यूएआरक लाइव रैंकिंगमे पहिल स्थानपर अछि। आईक्यूएयरक लाइव रैंकिंगसँ पता चलैत अछि जे दिल्ली ५१५ एक्यूआईक सङ्ग दुनियाक सबसँ प्रदूषित शहर अछि। मुदा, भारतमे मौसमक स्वरूप बदलय लागल अछि। पहाड़ी क्षेत्रमे बर्फबारीक बाद मैदानी क्षेत्रमे तापमानमे सेहो गिरावट आयल अछि।

सामान्यतः प्रदूषणक स्तर वायु गुणवत्ता सूचकांक वा एक्यूआईक सन्दर्भमे नापल जाइत अछि। २०० सँ ऊपर एक्यूआईकेँ मानक बहुत खराब मानल जाइत छैक आ ३०० सँ ऊपर एक्यूआई गंभीर रूपसँ खराब स्थितिक संकेत दैत छैक। जँ एक्यूआई स्तर ०-५० केर बीच रहैत अछि तखनि एकरा नीक मानल जाइत अछि। ५१-१०० केँ मध्यम मानल जाइत अछि आ १०१-१५० के बीच संवेदनशील समूहक लेल खराब हवा मानल जाइत अछि। संगहि जँ वायु गुणवत्ता सूचकांक १५१ सँ २०० अछि तखन ई खतरनाक अछि। एकर अतिरिक्त, जँ २०१-३०० भेटैत अछि तँ ई बहुत खतरनाक अछि आ जँ प्रदूषणक स्तर ३०१ सँ बेसी पाओल जाइत अछि तँ ई बहुत-बहुत खतरनाक अछि।

मुम्बई शहर १५८ एक्यूआईक सङ्ग रैंकिंगमे १०म स्थानपर अछि। एकर बाद कोलकाता अछि, जतय एक्यूआई १३६ दर्ज कयल गेल छल।

पाकिस्तानक शहर लाहौर आईक्यूएयरक लाइव रैंकिंगमे दोसर स्थान पर अछि। अईठाम एक्यूआई ४३२ अछि। संगहि पड़ोसी शहर कराची सेहो एहि सूचीक हिस्सा बनि गेल अछि। एकरा १४७ एक्यूआईक सङ्ग १४म स्थानपर राखल गेल अछि।

कांगो लोकतांत्रिक गणराज्यक किंशासा सबसँ प्रदूषित शहरमे तेसर स्थान पर अछि। एतय एक्यूआई १९३ दर्ज कयल गेल अछि। संगहि मिस्रक काहिरा १८४ के एक्यूआई केर संग चारिम स्थान पर अछि। ओतहि वियतनामक राजधानी हनोई आईक्यूएयरक वर्ल्ड लाइव रैंकिंगमे पाँचम स्थानपर अछि। एतय एक्यूआई स्तर १६८ अछि। कतरक दोहा शहर रैंकिंगमे छठम स्थान पर अछि। एतय एक्यूआई स्तर १६६ अछि। एकर अतिरिक्त सऊदी अरबक रियाद सातम स्थान पर राखल गेल अछि।

नेपालक राजधानी काठमांडू सूचकांकमे आठम स्थानपर अछि, जतय एक्यूआई स्तर १६० अछि। नवम स्थान पर मंगोलियाक उल्लनबटार अछि। बुधदिन उल्लानबटारमे एक्यूआई १५८ छल। बांग्लादेशक बात करब तऽ एकर राजधानी ढाका १७म स्थान पर अछि। अईठाम एक्यूआई १२२ अछि। चीनक सातटा शहरमे वायुक गुणवत्ता बहुत खराब पाओल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *