दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल अंतरिम जमानत पर जेलसँ बाहर अयलाक बाद सोमदिन अपन सभटा नगरपालिका पार्षदक सङ्ग बैसार कयलनि।
पार्षद सभकेँ सम्बोधित करैत ओ कहलनि, “हमरा २ जूनकेँ फेर जेल जेबाक अछि। जँ अहाँसभ ४ जूनकेँ इंडिया गठबंधनक सरकार बनायब तऽ हम 5 जूनकेँ बाहर आबि जाएब। भाजपा हमरा ई सोचि जेल पठा देलक जे एहिसँ आम आदमी पार्टीक विधायक, पार्षद आ कार्यकर्ता टूटि जायत। हम दिल्ली आ एमसीडीमे सरकार गिरा देब। हुनकर प्रयास विफल रहल आ हमर पार्टी एहिसँ आओर एकजुट भऽ कऽ लड़त। आम आदमी पार्टी मात्र एकटा पार्टी नहिं बल्कि एकटा परिवार आ एकटा विचार अछि जकरा तोड़ब असंभव अछि।
ओ आगू कहलनि जखन हमरा गिरफ्तार कयल गेल, हम मानसिक रूपसँ तैयार छलहुँ जे हमरा छह मास जेलमे रहय पड़त। परन्तु, भगवानक कृपासँ हम आइ अहां सबके बीच छी।
ओ भाजपा पर हमला करैत कहलनि जे तीन मास पहिने धरि भाजपाक ४०० सीटक चर्चा छल, आइ स्थिति बदलि गेल अछि। आब हुनकर २५० पार करबा पर सवाल उठि रहल अछि। ओ सभ हमरा अपमानित कऽ, बेइज्जत कऽ आ दबाई रोकि कऽ जेलक भीतर तोड़बाक प्रयास कयलनि। ओ सभ हमर इन्सुलिन बंद कए देलक। लेकिन, जखन अहाँ आवाज उठौलहुं तखन हमरा इन्सुलिन देल गेल।
ओ आगू कहलनि जे हमरा अपन इंडिया गठबन्धनक सहयोगी आ सहकर्मीसभक फोन आबि रहल अछि जे अहाँ आबि प्रचार करू। अगिला २१ दिनमे हम जतए संभव होएत ओतए जाएब आ भाजपाकेँ हराबय केर लेल प्रचार करब।