मौसम अचानक बदलय लागल अछि, एहेन स्थितिमे महिला आ नेना सबहक विशेष ध्यान राखय केर जरूरत अछि किएक तऽ जखनि महिला स्वस्थ रहतीह तखने स्वस्थ बच्चाक पालन-पोषण संभव होएत। माधव अस्पतालक स्त्री रोग एवं प्रसूति विशेषज्ञ डॉ. कुमारी स्नेहा महिला सबकेँ जागरूक करैत उपरोक्त जानकारी देलनि।
डाॅ स्नेहा आगू कहलनि जे महिलाक पहिने अपन देखभाल करबाक चाही आ फेर अपन बच्चाक उचित देखभाल करबाक चाही। खास कऽ गर्भवती महिलाकेँ बहुत सावधान रहबाक चाही। किछु काजक ख्याल अवश्य राखब। अइसँ भविष्यमे आसानी होएत आ बच्चाककेँ रोग प्रतिरोधक क्षमता बढ़ैतैक। महिलाकेँ ठंडक मौसममे 6 महीनासँ उपर उम्र तक बच्चाककेँ सही देखभाल करबाक चाही। ओकरा मात्र दूध पर निर्भर नहि रहबाक चाही बल्कि ओकरा पौष्टिक भोजन देबाक चाही, बच्चाक बीच-बीचमे टीकाकरण करनाय सेहो आवश्यक अछि। ओ कहलनि जे, डॉक्टर बीमार पड़ला पर दवाई जरूर दैत छथि, मुदा एहि लेल शरीर लेल प्रोटीनसँ भरपूर उचित आहार आवश्यक अछि। ताकि कियो बीमार नहि पड़य।
ओ कहलनि जे, गर्भावस्थामे महिला बीमार भऽ गेला पर उच्च एंटीबायोटिक दवाई देब वर्जित अछि। एहेन स्थितिमे नीक स्वास्थ्यक लेल बदलैत मौसमक संग फल, फूल, दूध, साग आ सब्जीक भरपूर सेवन करू। ओ कहलनि जे, ठंढा मौसममे गरम कपड़ा पहिरब जरूरी अछि आ बच्चाकेँ बेपरवह नहि छोड़बाक चाही। गरम कपड़ा जरूर पहिरा दियैक।