बिहारक मधेपुरासँ पैघ समाचार सामने आबि रहल अछि, जतय सोमदिन एकटा महिला अपन चारि बच्चाकेँ जहर खुऔलक। घटनाक बाद परिवार सभ बच्चाक संग गम्भीर स्थितिमे महिलाकेँ अस्पतालमे भर्ती कयलक।
ई घटना मुरलीगंज थाना क्षेत्रक पड़वा नवटोल वार्ड ४ मे भेल छल। जानकारीक अनुसार शैलेन्द्र रामक पत्नी सीमा देवी पारिवारिक कलहसँ तंग आबि एहन भयानक डेग उठौलनि अछि। महिला सबसँ पहिने अपन चारि बच्चा प्रिया कुमारी (७), पल्लवी कुमारी (५), दिव्यांशु कुमार (४) आ अयांश कुमार (३) केँ कीटनाशक दवाई खुआ देलनि। एकर बाद ओ स्वयं सेहो जहर खा लेलक। ई देखैत सबहक हालत बिगड़य लागल। जखन आसपासक लोककेँ एहि बातक पता चलल, तखन पाँचो गोटेकेँ मुरलीगंज सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्रमे भर्ती कयल गेल, जतय प्राथमिक उपचारक बाद गम्भीर स्थितिकेँ देखैत पाँचो गोटेकेँ सदर अस्पताल रेफर कऽ देल गेल अछि। हुनका सदर अस्पतालसँ जन नायक कर्पूरी ठाकुर मेडिकल कॉलेजमे सेहो रेफर कयल गेल अछि।
जानकारीक अनुसार महिलाक पति शैलेन्द्र रामसँ विवाद भेल छल। झगड़ाक बाद ओ शौच करबाक लेल खेत दिसि चलि गेल। घरमे हुनक पत्नी सीमा देवी (३०) अपन सङ्ग ४ टा बच्चाकेँ कीटनाशक खुओलनि, जाहिमेसँ दूटा बच्चाक हालत गम्भीर अछि। जखन लगपासमे रहनिहार लोककेँ एहि बातक पता चलल, तखन ओ सभ आनन फाननमे मुरलीगंज सीएचसी पहुँचलाह, जतयसँ सभकेँ सदर अस्पताल रेफर कऽ देल गेल। महिला आ चारिटा बच्चाक इलाज लगभग एक घंटा धरि सदर अस्पतालमे कयल गेल, मुदा हुनक स्थिति गम्भीर होयबाक कारणेँ सभकेँ उच्च केन्द्रमे रेफर कऽ देल गेल अछि।
सीमा देवी कहैत छथि जे पति शैलेन्द्र राम हरदम बच्चा आ हमरा पीटैत छथि। सबके घरसँ भागए लेल कहल जाइत अछि। एहिसँ तंग आबि हम स्वयं जहर खा लेलहुँ आ बच्चाकेँ जहर खुएलहुँ।
महिलाक गोतानी समसी देवीक अनुसार, सीमा देवीक गामक एकटा युवकसँ अवैध सम्बन्ध छल, जाहि कारणेँ हुनक पतिसँ विवाद भऽ गेल छल। जकर बाद सीमा देवी अपन बच्चाक संग कीटनाशक खा चुकल छथि।