राजनीति

बिहारमे सत्ता संरक्षित अपराधी राजनेता पर्यंतकेँ नहिं अछि छोड़ैत : राजद

पटना
*

बिहारमे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव बिहारमे बढ़ैत अपराधकेँ लऽ कऽ सरकार पर लगातार हमला कऽ रहल छथि आ ट्वीट कय अपराधक गिनती सेहो कराबैत छथि। एखनि तेजस्वी यादव दुबई यात्रा पर छथि, बिहारमे एकटा पैघ घटना भेल अछि आ हुनकर पार्टी राजदक प्रदेश महासचिव आ वरिष्ठ नेता पंकज यादवकेँ बृहस्पतिकेँ मुंगेरमे गोली मारल गेल। पंकज यादवकेँ अपराधी तीन बेर गोली मारलक, जिनका नीक इलाजक लेल एकटा निजी अस्पताल पठाओल गेल अछि। पंकज यादव मुंगेरमे अपन घर नवटोलियासँ भोरमे टहलय लेल मुंगेर हवाई अड्डा गेल छलथि, जतय पहिनेसँ घात लगेने अपराधी पंकज पर गोली चला देलक।

राजद नेता पर गोलीबारीक बाद बिहारक राजनीति गर्म भऽ गेल अछि, बिहारक मुख्य विपक्षी दल राजद सरकार केर पूर्ण रूपसँ विफल बतओलक अछि। राजद प्रवक्ता शक्ति यादव कहलनि जे पूरा बिहारमे भय केर माहौल अछि, पूरा बिहार अपराधीक चंगुलमे अछि। विपक्षकेँ चुनि-चुनि कय अपराधी द्वारा निशाना बनायल जाइत अछि। सरकारक व्यवस्था पूरा तबाह भऽ गेल अछि, जेकरा कारण अपराधी सत्ता संरक्षित सुरक्षित जेडीयू, भाजपा नेता पर सेहो हमला करैत अछि, मुदा सरकारक व्यवस्था एतेक विफल भऽ गेल अछि जे आब अपराधीकेँ रोकब हुनकर वशमे नहिं अछि, जँ कहल जाय तऽ पूरा बिहार आब अपराधीक हाथमे अछि। जखन चाहैत अछि अपराधी सभ कोनो घटनाक अंजाम दऽ दैत अछि आ सरकार हाथ पर हाथ धयने रहैत अछि।

शक्ति यादवक टिप्पणी पर प्रतिक्रिया दैत जदयू प्रवक्ता अरविंद निषाद कहलनि कि अपराधकेँ रोकल नहिं जा सकैत अछि। अपराध तऽ होइते अछि, अपराधक मामिलामे दुनियाक उदाहरण ई अछि जे अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रम्प पर सेहो हमला भेल छल, मुदा सुरक्षाकर्मी तत्काल ओकरा ढ़ेर कऽ देलनि।

सवाल उठैत अछि जे जँ कोनो अपराध भेल अछि तखन ओहि पर कारवाई कोना कयल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक शासनमे अपराधी घटनाक अंजाम दऽ रहल अछि तऽ ओ तुरन्त गिरफ्तार सेहो कयल जा रहल अछि, कोनो संगठित अपराध नहिं अछि, बिहारमे आब कोनो संगठित अपराधी नहिं अछि।

राजद अपन नेताक बारेमे बताबथि जे एखन दुबईमे आनंद उठा रहल छथि, बिहारके धरती पर ओ कहिया उतरताह से कियो नहिं जनैत अछि। नीतीश सरकार जनताक परवाह करैत अछि। मुंगेरक घटना भेल अछि, पुलिस कारवाईमे लागल अछि आ अपराधीसभकेँ जल्दीसँ जल्दी गिरफ्तार कयल जायत। ओतहि सत्तामे रहनिहार भाजपा कहलक जे राजद अपन पुरान दिन बिसरि जाइत अछि। भाजपा प्रवक्ता प्रभाकर मिश्र कहलनि जे एहि घटनाकेँ कियो नहिं रोकि सकैत अछि, अपराधी घटनाकेँ अंजाम दैत अछि, मुदा तत्काल कारवाई कयल जाइत अछि। पटनामे भाजपा नेताक हत्या भेल, अपराधीकेँ ४८ घंटाक भीतर गिरफ्तार कऽ लेल गेल।

भाजपा प्रवक्ता कहलनि, पुलिस जल्दिये बिहारमे भऽ रहल सभ अपराधीकेँ गिरफ्तार कऽ रहल अछि। अपराधक बात करय वाला राजद केर अपन दिन याद रखबाक चाही, जखनि अपराधी अपराध कएलाक बाद मुख्यमंत्री निवास पर बैसैत छल आ ओकरा पर कोनो कारवाई नहिं होइत छल। जे घटना मुंगेरमे भेल, ओहिमे सेहो पुलिस चुप नहिं बैसल अछि, अपराधीकेँ जतेक जल्दी भऽ सकय गिरफ्तार करत, जतय अपराधक सवाल अछि, एहेन कोनो राज्य नहिं अछि जतय घटना नहिं भऽ रहल अछि, ई एहि बात पर निर्भर करैत अछि जे सरकार एहि पर की कारवाई करैत अछि। बिहारक अपराधीक खिलाफ तत्काल कारवाई कएल जाइत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *