उत्तर कोरियाक तानाशाह किम जोंग-उन आत्मरक्षाक लेल अपन परमाणु हथियार बढ़यबाक तैयारी कऽ रहल छथि। ओ परमाणु हथियारक लेल यूरेनियम संवर्धनक लेल सेंट्रीफ्यूजक संख्या बढ़यबाक आह्वान कयलनि। ई जानकारी स्थानीय मीडिया द्वारा देल गेल अछि।
कोरियन सेंट्रल न्यूज एजेंसी (केसीएनए)क अनुसार, किम परमाणु हथियार संस्थान आ “हथियार-ग्रेड परमाणु सामग्री उत्पादन बेस”क यात्राक क्रममे ई आह्वान कयलनि। एखन धरि ई ज्ञात नहिं अछि जे परमाणु सामग्री उत्पादन सुविधा कतऽ स्थित अछि आ किम जोंग उन कखनि एकर दौरा कयलनि।
केसीएनए कहलक, “ओ यूरेनियम संवर्धन बेसक नियंत्रण कक्षक दौरा कयलनि आ किम बहुत संतोष व्यक्त कयलनि जखनि हुनका कहल गेल जे बेस गतिशील रूपसँ परमाणु सामग्रीक उत्पादन कऽ रहल अछि।”
योनहाप समाचार एजेंसीक रिपोर्टक अनुसार, ई पहिल बेर अछि जखनि उत्तर कोरिया अपन यूरेनियम संवर्धन संयंत्रक विवरण सार्वजनिक कयलक अछि।
केसीएनए कहलक जे किम “परमाणु-सशस्त्र बल”क निर्माणक सोचक अनुरूप आत्मरक्षाक लेल परमाणु हथियारक संख्या बढ़यबाक आवश्यकतापर जोर देलनि।
यूरेनियम संवर्धन सुविधाक उपयोग सेंट्रीफ्यूजमे यूरेनियम राखि आ उच्च गतिसँ घुमाकऽ अत्यधिक समृद्ध यूरेनियमक उत्पादन लेल कयल जाइत अछि। परमाणु हथियारक निर्माणक लेल अत्यधिक समृद्ध यूरेनियम आवश्यक अछि।
ओतहि दक्षिण कोरिया आ अमेरिकी खुफिया एजेंसीसभक मानब छनि जे उत्तर कोरिया प्योंगयांग लग कांगसान परमाणु परिसर आ योंगब्योन परमाणु स्थल पर यूरेनियम संवर्धन सुविधा संचालित करैत अछि।
२०१० मे उत्तर कोरिया प्रसिद्ध अमेरिकी परमाणु वैज्ञानिक सिगफ्रीड हेकरकेँ योंगब्योनमे अपन यूरेनियम संवर्धन संयंत्रक निरीक्षण करबाक लेल आमंत्रित कयलक। एकर अतिरिक्त, किम सेंट्रीफ्यूजक पृथक्करण क्षमतामे सुधार आ नव प्रकारक सेंट्रीफ्यूजक विकासकेँ तेज करबाक आह्वान कयलनि, जाहिसँ “हथियार-ग्रेड परमाणु सामग्रीक उत्पादनक लेल आधारकेँ आओर मजबूत कयल जा सकय।”
यूरेनियम संवर्धन सुविधाक अचानक सार्वजनिक खुलासाक कारण नवम्बरमे होबयवाला अमेरिकी राष्ट्रपति चुनाव मानल जाइत अछि। एकरा उत्तर कोरियाक परमाणु क्षमताकेँ प्रदर्शित करबाक एकटा कदमक रूपमे देखल जा रहल अछि।