चुनाव

लोकसभा चुनावक चारिम चरणमे 62% सँ बेसी मतदान, बंगालमे सबसँ बेसी 75.91% मतदान

मधुबनी
*

1,717 उम्मीदवारक भाग्यक फैसलाक लेल चारिम चरणमे 10 राज्य आ केन्द्र शासित प्रदेशक 96 निर्वाचन क्षेत्रमे मतदान संपन्न भेल।

लोकसभा चुनावक चारिम चरणमे सोमदिन 10 राज्य आ केंद्र शासित प्रदेशक 96 निर्वाचन क्षेत्रमे 62 प्रतिशतसँ बेसी मतदान भेल। पश्चिम बंगालमे सबसँ बेसी 75.91 प्रतिशत मतदान भेल, ओकर बाद मध्य प्रदेशमे 68.48 प्रतिशत मतदान भेल। जम्मू-कश्मीर आ महाराष्ट्र क्रमशः 36.58 प्रतिशत आ 52.63 प्रतिशत मतदानक संग पिछड़ल रहल। आंध्र प्रदेशमे 68.12 प्रतिशत, बिहारमे 55.90 प्रतिशत, झारखण्डमे 63.36 प्रतिशत, ओडिशामे 63.85 प्रतिशत, तेलंगानामे 61.29 प्रतिशत आ उत्तर प्रदेशमे 57.76 प्रतिशत मतदान भेल। तेलंगानाक सभटा 17 लोकसभा सीट, आंध्र प्रदेशक सभटा 25, उत्तर प्रदेशमे 13, बिहारमे 05, झारखण्डमे 04, मध्य प्रदेशमे 08, महाराष्ट्रमे 11, ओडिशामे चारि, पश्चिम बंगालमे 08 आ जम्मू-कश्मीरमे 01 सीटक लेल मतदान संपन्न भेल।

लोकसभा चुनावक पहिल तीन चरणमे क्रमशः 66.14 प्रतिशत, 66.71 प्रतिशत आ 65.68 प्रतिशत मतदान भेल छल। लोकसभा चुनावक तेसर चरण धरि 543 मे सँ 283 सीटपर मतदान भेल छल। चारिम चरणक बाद 379 सीटपर मतदान समाप्त भेल।

मतदान काफी हद तक शांतिपूर्ण रहल, आन्ध्र प्रदेश आ पश्चिम बंगालमे हिंसाक किछु घटनाक सूचना भेटल। पश्चिम बंगाल आ ओडिशाक किछु बूथपर ईवीएममे खराबीक खबरि सेहो भेटल। वाईएसआरसीपी आरोप लगओलक जे टीडीपीक नेता वेमुरु निर्वाचन क्षेत्रक पाँचटा मतदान केन्द्रपर कब्जा कऽ लेलनि। ओ अतिरिक्त पुलिस बल आ तत्काल कार्रवाईक अनुरोध कयलनि। सत्तारूढ़ दल इहो दावा कयलक जे कुप्पमक बूथ संख्या 57 केर मतदान अधिकारी विपक्षी टीडीपी नेतासभक संग मिलीभगत कऽ चुनावमे गड़बड़ी कयलक। तहिना पश्चिम बंगालमे किछु बूथ पर जोर-जबरदस्तीक समाचार अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *