झारखण्डक मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन मंत्रीमण्डलक सभटा मन्त्रीक बीच विभागक बँटवारा कयलनि अछि। शुक्रदिन दुपहरिया लगभग २ बजे अधिसूचना जारी कयल गेल। सीएम सोरेन कार्मिक, प्रशासन सुधार आ राजभाषा, गृह (जेल सहित) विभाग, सड़क निर्माण, भवन निर्माण आ कैबिनेट सचिवालय आ निगरानी विभाग अपन संग रखलनि अछि।
राधा कृष्ण किशोरकेँ वित्त, वाणिज्यिक कर, योजना आ विकास आ संसदीय कार्य विभाग आवंटित कयल गेल अछि। दीपक बिरुआकेँ राजस्व पंजीकरण आ भूमि सुधार आ परिवहनक विभाग देल गेल अछि, जखन कि चमरा लिंडा अनुसूचित जनजाति, अनुसूचित जाति आ कल्याण (अल्पसंख्यक कल्याण छोड़िकय) विभागक मंत्री होयताह।
संजय प्रसाद यादवकेँ श्रम, रोजगार, प्रशिक्षण आ कौशल आ उद्योग विभाग देल गेल अछि। रामदास सोरेनकेँ स्कूल शिक्षा आ साक्षरता विभाग आ पंजीकरण विभाग मंत्री बनाओल गेल अछि। इरफान अंसारीकेँ स्वास्थ्य, चिकित्सा शिक्षा आ परिवार कल्याण, खाद्य, सार्वजनिक वितरण आ उपभोक्ता मामिला आ आपदा प्रबंधन विभागक जिम्मेदारी देल गेल अछि। हफीजुल हसनकेँ जल संसाधन एवं अल्पसंख्यक कल्याण मंत्रालय आवंटित कयल गेल अछि।
ओतहि दीपिका पाण्डेय सिंहकेँ ग्रामीण विकास, ग्रामीण निर्माण आ पंचायती राज विभाग मंत्री बनाओल गेल अछि। योगेन्द्र प्रसादकेँ पेयजल आ स्वच्छता आ उत्पाद एवं मद्य निषेध विभाग आवंटित कयल गेल अछि। सुदिव्य कुमारकेँ पर्यटन, कला-संस्कृति आ युवा मामिलाक विभागक अतिरिक्त शहरी विकास आ आवास विभाग, उच्च आ तकनीकी शिक्षा विभागक जिम्मेवारी देल गेल अछि।
शिल्पी नेहा तिर्कीकेँ कृषि, पशुपालन आ सहकारिता विभागक जिम्मेदारी देल गेल अछि। एकर अतिरिक्त जे विभाग कोनो मंत्रीकेँ आबंटित नहि कयल गेल अछि ओ मुख्यमंत्रीक लग रहत। सरकारक प्रधान सचिव वंदना डाडेलक हस्ताक्षरमे विभागक विभाजनक अधिसूचना जारी कयल गेल अछि।