जनसरोकार

सरकारक पावर ट्रांसमिशन इन्फ्रास्ट्रक्चर बढ़ेबाक लेल ९•.१२ लाख करोड़ टाकाक निवेशक योजना

नई दिल्ली
*

केन्द्रीय ऊर्जा मंत्रालय देशमे पावर ट्रांसमिशन इन्फ्रास्ट्रक्चर बढ़ेबाक लेल २०३१-३२ धरि ९.१२ लाख करोड़ टाकाक निवेश करबाक योजना बनौने अछि। ई जानकारी केंद्रीय ऊर्जा राज्य मंत्री श्रीपद येसो नाइक राज्यसभामे देलनि।

केंद्रीय मंत्री कहलनि, “राष्ट्रीय विद्युत योजना (ट्रांसमिशन) केर अनुसार २०२२-२३ सँ २०३१-३२ तक १० सालक अवधिमे १.९१ लाख किलोमीटर (किमी) ट्रांसमिशन लाइन आ १२७४ गीगा वोल्ट एम्पियर (जीवीए) ट्रांसफोर्मेशन क्षमता (२२० केवी आ ओहिसँ बेसी वोल्टेज स्तर पर) जोड़ल जायत। एकर अतिरिक्त, ३३.२५ गीगावॉट हाई वोल्टेज डायरेक्ट करंट (एचवीडीसी) बाय-पोल लिंकक सेहो योजना बनाओल गेल अछि।

एकर अतिरिक्त, अंतर-क्षेत्रीय ट्रांसमिशन क्षमताकेँ वर्तमान स्तर ११९ गीगावॉटसँ बढ़ाकऽ २०२६-२७ धरि १४३ गीगावाट आ २०३१-३२ धरि १६८ गीगावाट करबाक योजना अछि। ई योजना संचरणक लेल नव प्रौद्योगिकी विकल्प, सीमा पार अंतर-कनेक्शन आ संचरणमे निजी क्षेत्रक भागीदारीपर जोर देल गेल अछि।

राष्ट्रीय विद्युत योजना (ट्रांसमिशन) मे नेपाल, भूटान, म्यांमार, बांग्लादेश आ श्रीलंका सन पड़ोसी देशक सङ्ग विद्यमान आ योजनाबद्ध अन्तरसम्पर्ककेँ सेहो शामिल कयल गेल अछि। एकटा आओर लिखित उत्तरमे मंत्री कहलनि जे एखनि देशमे कुल १३,९९७.५ मेगावाट क्षमतावला २८ जलविद्युत परियोजना (एचईपी) आ ६,०५० मेगावाटक पाँचटा पम्प स्टोरेज परियोजना (पीएसपी) निर्माणाधीन अछि।

केन्द्रीय विद्युत प्राधिकरण द्वारा कुल १९,४६० मेगावाटक २८ एचईपी आ ४,१०० मेगावाटक चारिटा पीएसपीक विस्तृत परियोजना रिपोर्ट (डीपीआर) केँ मंजूरी देल गेल अछि। ओ कहलनि जे कुल ८,०३६ मेगावाटक ११ एचईपी सर्वेक्षण आ जाँच (एस एंड आई) पर अछि।

वर्तमानमे २९,२०० मेगावाट कोइला आधारित क्षमता निर्माणाधीन अछि, १८,४०० मेगावाट क्षमता आवंटित कयल गेल अछि आ ४७,२४० मेगावाट संभावित क्षमता विचाराधीन अछि। केन्द्रीय मंत्री आगू जनओलनि जे ३१ अक्टूबर धरि कुल १,२७,०५० मेगावाट रिन्यूएबल एनर्जी क्षमता कार्यान्वयनाधीन अछि, जखन कि ८९,६९० मेगावाट बोली प्रक्रियामे अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *