भारत मंगलदिन बांग्लादेश सनातन जागरण मंचक प्रवक्ता आ चटगांवक पुण्डरीक धामक प्रमुख चिन्मय कृष्ण दास ब्रह्मचारीक गिरफ्तारी आ ओकर बाद हुनका जमानत नहि भेटलापर “गहन चिन्ता” व्यक्त कयलक। दासकेँ ढाका महानगर पुलिसक जासूसी शाखा (डीबी) सोमदिन साँझ ४:३० बजे हजरत शाहजलाल अन्तर्राष्ट्रीय हवाई अड्डापर हिरासतमे लेलक।
स्थानीय मीडियाक खबरिक अनुसार, दासकेँ मंगलदिन चटगाँवक छठम मेट्रोपोलिटन मजिस्ट्रेट काजी शरीफुल इस्लामक समक्ष ३१ अक्टूबरकेँ दर्ज एकटा मामिलाक संबंधमे कड़ा सुरक्षाक बीच पेश कयल गेल। हुनकर जमानत याचिका खारिज कऽ देल गेल आ हुनका जेल पठा देल गेल।
एहिसँ पहिने ढाका महानगर पुलिस (डीएमपी)क जासूसी शाखा (डीबी) द्वारा दासकेँ चटगाँव महानगर पुलिस (सीएमपी)केँ सौंपि देल गेल छल।
भारत सरकार मंगल दिन (२६ अक्टूबर) एहि मुद्दा पर अपन प्रतिक्रिया देलक अछि। विदेश मंत्रालय एकटा वक्तव्यमे कहलक, “हम बांग्लादेश सम्मिलित सनातन जागरण जोतक प्रवक्ता चिन्मय कृष्ण दासक गिरफ्तारी आ जमानत नहि भेटलापर गहिंर चिन्ता व्यक्त करैत छी।
वक्तव्यमे कहल गेल अछि, “ई घटना बांग्लादेशमे चरमपंथी तत्व द्वारा हिन्दू आ अन्य अल्पसंख्यकसभ पर सिलसिलेवार हमलाक बाद भेल छल।” अल्पसंख्यकक घर आ व्यापारिक प्रतिष्ठानक आगजनी आ लूटपाटक सङ्ग-सङ्ग चोरी, तोड़फोड़, देवी-देवता आ मन्दिरक अपवित्रताक कतेको मामिला सोझाँ आयल अछि।
विदेश मंत्रालय कहलक जे ई दुर्भाग्यपूर्ण अछि जे एहि घटनाक अपराधी एखनो स्वतंत्र रूपसँ घूमि रहल अछि, जखनि कि शांतिपूर्ण सभाक माध्यमसँ वैध माँग प्रस्तुत कयनिहार धार्मिक नेताक विरुद्ध आरोप लगाओल जा रहल अछि। दासक गिरफ्तारीक विरोधमे शांतिपूर्वक प्रदर्शन करैवला अल्पसंख्यक पर भेल हमला पर सेहो हम चिंता व्यक्त करैत छी।
विदेश मंत्रालय कहलक, “हम बांग्लादेशक अधिकारीसभसँ अपील करैत छी जे ओ हिन्दू आ सभ अल्पसंख्यकक सुरक्षा आ सुरक्षा सुनिश्चित करय, जाहिमे हुनकर शांतिपूर्ण सभा आ अभिव्यक्तिक स्वतन्त्रताक अधिकार सेहो शामिल अछि।”
दासक गिरफ्तारी एहेन समय पर भेल अछि, जखनि मुहम्मद युनुसक नेतृत्ववाला अंतरिम सरकार बंगलादेशक हिन्दू समुदाय पर अत्याचार करबाक कतेको आरोपक सामना कऽ रहल अछि।