वर्ल्ड नेचुरल डेमोक्रेसी (डब्ल्यूएनडी, दरभंगा) आ पटना विश्वविद्यालय (दर्शन विभाग) केर संयुक्त तत्त्वावधानमे ०६ – ०९ अप्रैल २०२६ केँ पटना सम्राट अशोक इन्टरनेशनल कॉन्वेंशन सेंटर (बापू सभागार) मे ग्लोबल डेमोक्रेसी वर्ल्ड कॉंग्रेस आयोजित होयत। प्रेसनोट जारी करैत डब्ल्यूएनडी सचिव अनिल कुमार कहलनि कि एहि प्रस्ताव (Ref. No. 1/GDWC26, Dated December 16, 2024) पर पटना विश्वविद्यालय दर्शन विभागक विभागाध्यक्ष द्वारा १८ दिसंबर २०२४ केँ संध्या सहयोग व सहमतिपत्र (कॉन्सेन्ट लेटर) ऑफ़िशिअली प्राप्त कयल गेल।
भारतक धरती पर ग्लोबल डेमोक्रेसी पर मानव इतिहासक होबयवाला एहि प्रथम वर्ल्ड कॉंग्रेसक मुख्य विषय अछि : डिमॉक्रसी ऑन अर्थ – डिमॉक्रसी विद अर्थ। ०४ दिन धरि चलबयवला एहि वर्ल्ड कॉंग्रेसमे देश-दुनियासँ लगभग ४००० सँ बेसी लोक भाग लऽ सकैत छथि। प्लेनरी/पैनल/पेपर/सिमपोज़िया/डायलॉजिक/राउन्ड टेबल/एंडोड लेक्चर/स्पेशल लेक्चर/वर्कशॉप आदि विभिन्न सत्रमे कार्यक्रमकेँ डिज़ाईन कयल गेल अछि। जल्दीए एकर वेबसाईट जारी होएत जतय लोक ऐब्स्ट्रैक्ट/प्रोपोज़ल जमा करय केर संग-संग एकज़िबिशन/बुक फ़ेयर/बुक लॉन्च/फ़िल्म आदि केर लेल सेहो आवेदन कय सकताह।
एहि वर्ल्ड कॉंग्रेसक आयोजन सचिव पटना विश्वविद्यालय दर्शन विभागक विभागाध्यक्ष प्रो. राजेश कुमार सिंह एवं आयोजन समितिक अध्यक्ष प्रो. विद्यानाथ झा छथि। एहि अवसर पर प्रधानमंत्री/राष्ट्रपति/मुख्यमंत्री सहित दुनिया भरिक विद्वान सभकेँ आमंत्रण पत्र भेजल जाएत।
एहि संभावित सूचीमे अमरीकी दार्शनिक नोम चोमस्की, दार्शनिक जॉन आर. सर्ल, डच-अमेरिकी समाजशास्त्री सास्किया सैसिन, दार्शनिक मार्था नुसबौम, पुर्तगाली समाजशास्त्री बोएवेंटुरा सूसा सैंटोस, इतालवी आर्थिक सिद्धान्तकार डेनियल आर्चीबुगी, कनाडाई दार्शनिक चार्ल्स टेलर, भारतीय दार्शनिक अम्बिका दत्त शर्मा, ग्रीक राजनीतिज्ञ ओनिस जॉर्जियो यानिस, दार्शनिक अमर्त्य सेन, पानी फाउंडेशनक संस्थापक आमिर खान, ऑस्ट्रेलियाई विद्वान रोबिन एकर्सले, वायुमंडलीय वैज्ञानिक कैथरीन ऐनी स्कॉट, स्वीडिश क्लाइमेट ऐक्टिविस्ट ग्रेटा थनबर्ग सहित खेल व फ़िल्म जगतक लोक सभक नाम शामिल अछि जे ऑनलाइन अथवा ऑफ़लाइन जुड़ि सकैत छथि। ज्ञात होय कि डब्ल्यूएनडी केर संस्थापक डॉ. जावैद अब्दुल्लाह छथि।