राजनीति

यात्रा रोकय पर गिरिराज सिंह पुलिस अधिकारी पर खिसियेलाह, बीच सड़क पर कयलनि हनुमान चालीसाक पाठ

किशनगंज
*

केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंह हिन्दू स्वाभिमान यात्रा रोकला पर पुलिस अधिकारी पर खिसिया गेलाह आ ओ एसपीकेँ फोन कयलनि, मुदा एसपीक फोन बंद हेबाक कारण ओ डीएमसँ गप्प कयलनि। ओ अपन यात्रा तय स्थानसँ पहिने समाप्त कय देलनि।

केन्द्रीय मंत्री आ भारतीय जनता पार्टीक नेता गिरिराज सिंह हिन्दू स्वाभिमान यात्राक दौरान पुलिस अधिकारी पर खिसिया गेलाह। दरअसल, यात्रा बिहारक किशनगंज स्थित गांधी चौक पहुँचल छल आ गिरिराज सिंह लोककेँ सम्बोधित करय लगलाह। एम्हर कानून-व्यवस्था सम्हारय बला एसडीपीओ गौतम कुमार ओतयसँ लोकसभकेँ हटाबय लगलाह आ आगू बढ़बाक लेल कहलनि, जकरा देखि केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंह क्रोधित भऽ गेलाह आ कहलनि जे अहाँ दंगा भड़काबय चाहैत छी।

केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंह फेर एसपीकेँ फोन लगेलनि, मुदा फोन बंद छल, पुनः ओ डीएमसँ गप्प कयलनि। गिरिराज सिंह सख्त स्वरमे कहलनि जे ताजिया निकलैथ अछि तखनि किएक ने हिम्मत होइत अछि ओकरा रोकबाक ?
[10/23, 6:22 PM] Ajay Nath Jha Shastri: गिरिराज सिंहक हिन्दू स्वाभिमान यात्राक समापन शहरक रुईधासा मैदानमे संपन्न होबय वाला छल, जतय सब तैयारी भऽ गेल छल, मुदा बादमे संगठन गांधीए चौक पर यात्रा समाप्त करबाक घोषणा कयलक, जकर बाद गिरिराज सिंह गांधी चौक पर जनताकेँ संबोधित करयवाला छलाह, मुदा जखनि ओतयसँ कार्यकर्ता सभकेँ आगू बढ़ाबय जाय लागल, तऽ से देखि ओ खिसिया गेलाह।

गिरिराज सिंह कहलनि, “ई कोन तरहक कानून अछि। हम बस १० मिनट माँगने छलहुँ, हम एतय अनशन करय लेल नहिं बैसल छलहुँ, मुदा पुलिस संभवतः ई नहि चाहैत अछि, तेँ हमरा कहय पड़त जे हमरा एखन एतहि रहय पड़त।” ओ कहलनि जे हमरा हिन्दू होयबा पर गर्व अछि आ जँ कियो हमरा ई कहबासँ रोकैत अछि तखनि जाबत धरि हमर शरीरमे खून अछि विरोध करैत रहब। एहि दौरान कार्यकर्ता जय श्री राम आ भारत माताक जयक नारा लगा रहल छलाह। लगभग पन्द्रह मिनटक संबोधनक बाद हुनक काफिला फेरसँ आगू बढ़ल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *