बिहारमे कतेको भर्ती परीक्षामे अनियमितता भेल अछि। बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) ७०म परीक्षा केर लऽ कऽ झमेला चलि रहल अछि। एम्हर बिहार सरकार शिक्षकक सक्षमता परीक्षा आयोजित करयवला एजेंसी सिफी डिजिटल सर्विस लिमिटेड, चेन्नईकेँ ब्लैकलिस्ट कऽ देलक अछि।
बिहार शिक्षा विभाग द्वारा जारी आदेशमे कहल गेल अछि जे एजेंसी द्वारा विभिन्न विषयमे प्रश्नक पुनरावृत्ति सहित कतेको विसंगति कयल गेल छल। शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव डॉ. एस. सिद्धार्थ सेहो परीक्षा आयोजित करय वाली कंपनीक संग भेल समझौताकेँ रद्द कऽ देलनि अछि।
बिहार विद्यालय परीक्षा समिति परीक्षा एजेंसी पर कारवाईक सिफारिश कयने छल। एहिसँ पहिने मार्च २०२४ मे एजेन्सीसँ स्पष्टीकरण सेहो मांगल गेल छल। कंपनी द्वारा देल गेल स्पष्टीकरणकेँ एससीईआरटी आ परीक्षा समिति द्वारा भ्रामक कहल गेल अछि।
शिक्षा विभाग अपन रिपोर्टमे इहो कहलक अछि जे परीक्षा लेबयवला एजेन्सीक कर्मचारी सेहो अक्षम छथि। एकरा देखैत विभाग एजेंसी केर ब्लैकलिस्ट करय केर कारवाई कयलक अछि।
रिपोर्टक अनुसार, सिफी डिजिटल सर्विस लिमिटेड एससीईआरटी द्वारा देल गेल क्वेश्चन कोड सेहो बदलि देने छल। एकर संगहि सॉफ्टवेयरमे सेहो गड़बड़ी कयल गेल छल। एकर अतिरिक्त, एजेंसी पर प्रश्नक पुनरावृत्ति, मानव संसाधनक पर्याप्त व्यवस्था नहिं करबाक लेल सेहो ई कारवाई कयल गेल अछि।