पूर्व आईएएस शिशिर सिन्हा बिहारक राजगीरमे स्थापित बिहार खेल विश्वविद्यालयकेँ कुलपतिक भार सम्हारताह। खेल विश्वविद्यालयमे एक सङ्ग २४ खेल विधामे प्रशिक्षण देल जायत।
पूर्व आईएएस अधिकारी शिशिर सिन्हा (१९८२ बैच) केँ बिहार खेल विश्वविद्यालय, राजगीरक पहिल कुलपति नियुक्त कयल गेलाह। राज्यपालक आदेशपर खेल विभाग द्वारा अधिसूचना जारी कयल गेल अछि। राष्ट्रीय खेल दिवसक अवसर पर बिहारक मुख्यमंत्री राज्यक पहिल खेल अकादमी आ बिहार खेल विश्वविद्यालयक उद्घाटन कयलनि जे राजगीरमे अन्तर्राष्ट्रीय खेल परिसरक हिस्सा अछि। अन्तर्राष्ट्रीय खेल परिसरमे एक सङ्ग २४ खेल विधामे प्रशिक्षण देल जायत।
पूर्व आईएएस अधिकारी शिशिर सिन्हा मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक करीबी मानल जाइत छथि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजगीरमे बनल खेल विश्वविद्यालयक पहिल कुलपतिक नियुक्ति कयलनि आ पहिल बेर ओ अपन निकट सेवानिवृत्त आईएएस शिशिर सिन्हाकेँ कुलपतिक रूपमे चुनलनि अछि। शनिकेँ राज्यपालक आदेशसँ खेल विभाग पूर्व आईएएस अधिकारी शिशिर सिन्हाक नामसँ खेल विश्वविद्यालय राजगीरक पहिल कुलपतिक लेल अधिसूचना जारी कयलक अछि। शिशिर सिन्हा बिहार कैडरक १९८२ बैचक आईएएस अधिकारी छथि आ वीआरएस लेलाक बाद २०१८ मे सेवानिवृत्त भेलाह।
सेवानिवृत्तिक बाद नीतीश कुमार द्वारा शिशिर सिन्हाकेँ देल गेल ई तेसर मौका अछि। हुनका सबसँ पहिने बीपीएससीक अध्यक्ष बनाओल गेल छल। ओकर बाद ओ विद्युत नियामक प्राधिकरणक अध्यक्ष सेहो रहल छथि आ आब तेसर बेर नीतीश कुमार हुनका अपन गृह क्षेत्र राजगीरमे नवनिर्मित खेल विश्वविद्यालयक पहिल कुलपति बना कए एकटा पैघ जिम्मेदारी देलनि अछि। शिशिर सिन्हा बहुत लोकप्रिय आईएएस अधिकारी रहल छथि। ओ भाजपाक वरिष्ठ नेता आ राज्यसभाक पूर्व सांसद सीपी ठाकुरक जमाए छथि, जे वीआरएससँ सेवानिवृत्त भेलाक समय मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सङ्ग विकास आयुक्तक रूपमे तैनात छलाह।