देश-दुनिया

विदेश मंत्री एस जयशंकर करताह पाकिस्तानक दौरा

नई दिल्ली
*

विदेश मंत्री जयशंकर एससीओक सीएचजी केर बैसारमे भाग लेबाक लेल पाकिस्तान जा रहल छथि। ई बैसार इस्लामाबादमे होबए वाला अछि। विदेश मंत्रालयक प्रवक्ता रणधीर जायसवाल शुक्रदिन एहि बातक जानकारी देलनि अछि।

विदेश मंत्री एस जयशंकर १५-१६ अक्टूबरकेँ पाकिस्तानक दौरा करत। नौ सालमे ई पहिल बेर होयत जखन कोनो भारतक मंत्री पाकिस्तानक दौरा करत। जयशंकर एससीओक काउंसिल ऑफ हेड्स ऑफ गवर्नमेंट केर बैसारमे भाग लेबाक लेल पाकिस्तान जा रहल छथि। ई बैसार इस्लामाबादमे १५-१६ अक्टूबरकेँ होयबाक अछि। विदेश मंत्रालयक प्रवक्ता रणधीर जायसवाल शुक्रदिन एहि बातक जानकारी देलनि अछि।

विदेश मंत्रालयक प्रवक्ता रणधीर जायसवाल कहलनि, “पाकिस्तान प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ २९ अगस्तकेँ बैसारक लेल आमंत्रित कयने छल। पाकिस्तानक विदेश कार्यालयक प्रवक्ता मुमताज जहरा बलोच कहलनि जे बैसारमे भाग लेबाक लेल सभ सदस्य देशक प्रमुखकेँ निमंत्रण पठाओल गेल अछि। एकर बाद विदेश मंत्रीक यात्रा तय भेल अछि।

प्रधानमंत्री मोदी अंतिम बेर २०१५ मे पाकिस्तान गेल छलाह। ई प्रधानमंत्रीक सरप्राइज विजिट छल। ओ लाहौरमे तत्कालीन प्रधानमन्त्री नवाज शरीफसँ भेंट कयलनि। ओहिसँ पहिने तत्कालीन विदेश मंत्री सुषमा स्वराज २०१५ मे पाकिस्तानक दौरा कयने छलीह। ५ अगस्त २०१९ केँ जम्मू-कश्मीरसँ अनुच्छेद ३७० हटयलाक बादसँ दुनू देशक बीच कोनो उच्चस्तरीय बैसार नहिं भेल अछि।

एससीओ एकटा सङ्गठन अछि जे मध्य एशियाक सभ देशक बीच शान्ति आ सहयोग बनाकऽ रखबाक लेल बनाओल गेल अछि। पाकिस्तान, चीन, रूस, भारत, कजाकिस्तान, ताजिकिस्तान, उज्बेकिस्तान, किर्गिस्तान सेहो एकर सदस्य अछि।

भारत आ पाकिस्तान २०१७ मे एससीओमे शामिल भेल। ईरान वर्ष २०२३ मे सदस्यता लेलक। वर्तमानमे दुनियाक लगभग ४०% जनसंख्या एससीओ केर देशमे रहैत अछि। विश्वक सकल घरेलू उत्पादमे एससीओ देशक योगदान २०% अछि।

जनतब जे एहि साल ३-४ जुलाईकेँ कजाकिस्तानमे एससीओ शिखर सम्मेलन भेल छल। मुदा पीएम मोदी एहि शिखर सम्मेलनमे शामिल नहिं भऽ सकलाह। हुनक स्थान पर विदेश मंत्री जयशंकर शिखर सम्मेलनमे भाग लेलनि। ओतहि पछिला साल किर्गिस्तानक राजधानी बिश्केकमे एससीओक सीएचजीक बैसार भेल छल। विदेश मंत्री एस. जयशंकर एतय सेहो भाग लेलनि।

भारत पछिला साल ४ जुलाईकेँ वर्चुअल मोडमे एससीओ शिखर सम्मेलनक मेजबानी कयलक। पाकिस्तानक प्रधानमंत्री शहबाज शरीफ एहि शिखर सम्मेलनमे भाग लेलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *