ई घटना बिहारक सुपौलक अछि। आरोपी छात्रक पिताकेँ जखन एहि बातक जानकारी भेटलनि तखन ओ हड़बड़ाइत स्कूल पहुँचलाह, ओ प्रधानाध्यापकक टेबुल पर राखल पिस्तौल आ बेटाकेँ लऽ कऽ देबाल फानि ओतयसँ भागि गेलाह। पिता अपन बाइक स्कूलेमे छोड़ि देलक।
ई घटना बुधदिन बिहारक सुपौल जिलाक त्रिवेणीगंजमे भेल। लालपट्टीक एकटा निजी स्कूलमे कक्षा ३मे पढ़य बला १० वर्षक छात्रकेँ कक्षा १क एकटा छात्र गोली मारि देलक। छात्रकेँ बांहिमे गोली लागल छल। बच्चा बैगमे पिस्तौल लऽ कऽ स्कूल आयल। घायल बच्चाकेँ अनुविभागीय अस्पतालमे भर्ती कयल गेल, जतय ओकर इलाज चलि रहल अछि। डॉक्टरक अनुसार, छात्रक स्थिति खतरासँ बाहर अछि।
एहि घटनाक बाद स्कूलमे हड़कंप मचि गेल। पुलिसकेँ तुरंत सूचना देल गेल। पुलिस घटनास्थल पर पहुंचि जांच शुरू कए देलक। पुलिस ई पता लगाबय केर कोशिश कऽ रहल अछि जे हथियार छात्र तक कोना पहुँचल। स्थानीय लोकक कहब छनि जे आरोपी छात्रक पिता पहिने ओही स्कूलमे सुरक्षा गार्ड छलाह।
बच्चाकेँ अस्पतालमे भर्ती कएल गेल। घायल छात्रक परिवार कहलक जे विद्यालयक प्रधानाध्यापक सूचित कयलनि जे अहाँक बच्चाकेँ गोली मारि देल गेल अछि। हुनका अस्पतालमे भर्ती कएल गेल अछि। जतेक जल्दी भए सके आउ। तुरंत परिवार अस्पताल चलि गेल। बच्चा घायल भए गेल छल। डॉक्टर हुनका कहलनि जे घबरयबाक कोनो जरूरत नहिं अछि, हुनक स्थिति खतरासँ बाहर अछि। जल्दिये ठीक भए जाएत।
घायल बच्चाक मामा बतौलनि जे ओकर भतीजा सेंट जॉन्स बोर्डिंग स्कूलमे पढ़ैत छथि। जखन बच्चा स्कूल पहुँचल, तखन ओ पहिने प्रार्थनामे गेल, फेर अपन कक्षामे गेल। जखन ओ क्लासमे गेल तखन मुकेश कुमार यादवक बेटा हुनक भतीजाकेँ गोली मारि देलक। भतीजाक आरोपी लड़कासँ कोनो तरहक झगड़ा नहिं भेल छल। ओ कहलनि जे बच्चा पहिने डाँड़मे गोली मारय केर कोशिश कयलक मुदा ओकरा हाथमे गोली लागि गेल। गोली चललाक बाद विद्यालयक प्रधानाध्यापक पिस्तौल कब्जा कऽ लेलनि आ लड़काक माता-पिताकेँ बजौल गेल।
एम्हर गोली चलबयवाला लड़काक पिता स्कूल पहुँचलाह आ प्रधानाध्यापक कक्षमे टेबुल पर बंदूक देखलनि। बंदूक आ मैगजीन मेज पर अलग-अलग राखल गेल छल। ओ बंदूक पर झपटलक आ बच्चाक संग दीवार फानि भागि गेल। जाहि बाइक पर ओ स्कूल पहुँचल छल ओ एखनो स्कूलमे अछि। घायल बच्चा २ सालसँ स्कूलमे पढ़ि रहल अछि। हुनका बायां बांहिमे गोली लागल छल।
घायल छात्रक परिवारक सदस्य स्कूल प्रशासन आ पुलिससँ गहन जाञ्चक माँग कयलनि अछि जाहिसँ भविष्यमे एहन घटना दोहरायल नहि जाय। एहि घटनाक बाद पीड़ित बच्चाक परिवारक सदस्य सदमामे छथि। हुनका सभकेँ विश्वास नहिं भऽ रहल छनि जे एकटा छोट बच्चा एहन काज करत। परिवारक सदस्य मांग कयलनि अछि जे आरोपी बच्चाक माता-पितासँ सेहो पूछताछ कयल जाय।