देशक राजधानी दिल्लीमे दीपावली पर्वक अवसर पर पटाखा पर रोक लगा देल गेल अछि। दिल्लीक पूर्व मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल बुधदिन पटाखा पर प्रतिबन्ध पर प्रतिक्रिया देलनि।
अरविन्द केजरीवाल एकटा संवाददाता सम्मेलनकेँ सम्बोधित करैत पटाखा पर प्रतिबन्धक विषयमे उठाओल गेल प्रश्नक उत्तर देलनि। ओ कहलनि जे सर्वोच्च न्यायालय आ उच्च न्यायालय सेहो कहलक अछि जे प्रदूषणकेँ देखैत हमरासभकेँ पटाखाक बदला दीप जरयबाक चाही, ई प्रकाशक पाबनि अछि। दीया आ मोमबत्ती जराकऽ अपन पाबनि बनाउ आ पटाखा नहि जराउ। पटाखा जरेलासँ प्रदूषण होइत अछि।
ओ कहलनि, “एहेन नहि अछि जे हम केकरो पर एहसान कऽ रहल छी, हम अपने पर एहसान कऽ रहल छी। हम आ हमर छोट बच्चे प्रदूषणसँ पीड़ित होएत। एहिमे कोनो हिन्दू वा मुसलमान नहिं अछि, सबहक साँस महत्वपूर्ण अछि, सबहक जीवन महत्वपूर्ण अछि।
जनतब जे दिल्लीक पर्यावरण मंत्री गोपाल राय एक दिन पहिने कहने छलाह जे राष्ट्रीय राजधानीमे छापामारीक दौरान १९,००५ किलोग्राम पटाखा जब्त कयल गेल। एखनि धरि उल्लंघनकर्ताक खिलाफ ७९ टा मामिला दर्ज कयल गेल अछि।
दिवालीसँ पहिने कयल गेल प्रदूषण विरोधी उपायक समीक्षा करबाक लेल दिल्ली प्रदूषण नियंत्रण समिति आ पुलिसक सङ्ग बैसारक क्रममे राय कहने छलाह जे दिल्लीमे पटाखाक जाँच करबाक लेल ३७७ दल तैनात कयल गेल अछि।
बुधदिन दिल्लीक औसत वायु गुणवत्ता सूचकांक (एक्यूआई) २७३ दर्ज कयल गेल। आबयवला दिनमे एकर वृद्धि होयबाक आशा अछि। केन्द्रीय प्रदूषण नियंत्रण बोर्ड (सीपीसीबी)क आंकड़ाक अनुसार, दिल्लीमे भोर ७:३० बजे औसत एक्यूआई २७३ दर्ज कयल गेल, जे खराब श्रेणीमे अबैत अछि। ओतहि दिल्ली एनसीआर शहरमे फरीदाबादमे २७३, गुड़गाँवमे १९७ आ गाजियाबादमे २१३, ग्रेटर नोएडा आ नोएडामे १९९ एक्यूआई दर्ज कयल गेल।