गंगामे अवैध खनिज निकालबाक विरोधमे हरिद्वार स्थित आध्यात्मिक आश्रम मातृ सदनमे विगत शनिदिनसँ ब्रह्मचारी संत दयानन्द सरस्वती आमरण अनशन प्रारम्भ कयलनि। मातृ सदन केर परमाध्यक्ष स्वामी शिवानंद महाराज जिला प्रशासन पर अवैध खनन पर लगायल गेल जुर्माना तथा अन्य कारवाई पर गंभीर आरोप लगेलनि अछि। हुनक कहब छन्हि जे प्रशासन द्वारा २५ करोड़ जुर्माना लगाओल गेल मुदा वसूली मात्र ३६ लाख कयल गेल। गहन जाँचक माँग कयल गेल।
चंडीघाट पुलक नीचुलका भाग स्थित गंगामे भीषण खनन केर प्रतिवादमे मातृ सदन अनशन कऽ रहल अछि। मातृ सदनक आरोप अछि जे उत्तराखंड हाईकोर्ट द्वारा निर्गत आदेशक अवहेलना करैत शासन-प्रशासन अवैध खनन करबा रहल अछि। जनतब दी जे मातृ सदन हरिद्वारमे गंगासँ अवैध खनन केर माध्यमें खनिज निकालबाक विरोधमे विगत शनिदिनसँ ब्रह्मचारी संत दयानन्द सरस्वती आमरण अनशन कऽ रहल छथि। एहि दरम्यान मात्र जल ग्रहण करता।
आश्रम परिसरमे प्रेस वार्ता करैत मातृ सदन केर परमाध्यक्ष स्वामी शिवानंद सरस्वती स्पष्ट आरोप लगाबैत कहलनि जे ट्रेजिंग नीतिक नाम पर गंगामे अवैध खनन भऽ रहल अछि। अवैध खनन पर लगाओल गेल जुर्माना लगेबा पर भ्रामक आकड़ा प्रस्तुत कयल जा रहल अछि। जनमानसकें कहल जा रहल अछि जे अवैध खनन केनिहारक ऊपर २५ करोड़ जुर्माना लगायल गेल जखन कि वास्तविकता ई अछि जे वसूली मात्र ३६ लाख कयल गेल।
मातृ सदन विगत् २७ वर्षसँ गंगा एवम् पर्यावरण रक्षार्थ सैकड़ों अनशन करैत सफलता प्राप्त कयलक। आश्रमक दू-दू संत गंगा रक्षार्थ बलिदान दऽ चुकल छथि। उत्तराखंड सरकार हाईकोर्ट द्वारा अवैध खनन पर पूर्ण प्रतिबंध लगेलाक उपरान्तहुँ आदेशक अवहेलना कऽ रहल अछि। हाईकोर्टक आदेशके लागू करेबाक लेल मातृ सदन अनशन करबाक लेल विवश भेल।