कांग्रेस नेता राहुल गांधी अमेरिका दौरा पर छथि। रविदिन राहुल गाँधी टेक्सासक डलास पहुँचलाह, जतय भारतीय प्रवासी आ इंडियन ओवरसीज कांग्रेस (आईओसी)क सदस्य लोकनि हुनक गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि।
राहुल गांधी अपन सोशल मीडिया अकाउंटसँ किछु फोटो शेयर कयलनि। ओ लिखलनि, “टेक्सासक डलासमे भारतीय प्रवासी आ इंडियन ओवरसीज कांग्रेसक सदस्यलोकनि हमरा जे गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि ताहिसँ हम वास्तवमे प्रसन्न छी।”
राहुल गाँधी पोस्टमे कहलनि, “हम एहि यात्राक दौरान सार्थक चर्चा आ व्यावहारिक बातचीतमे शामिल होयबाक लेल उत्सुक छी, जाहिसँ हमर दुनू देशक बीच सम्बन्ध आओर मजबूत होयत।
जनतब जे २०२४क लोकसभा चुनावक बाद राहुल गाँधीक ई पहिल अमेरिका यात्रा अछि।
राहुल गाँधी ९-१० सितम्बरकेँ वाशिंगटन डीसीमे होबयवला कतेको महत्वपूर्ण बैसारमे भाग लेताह।
एहिसँ पहिने राहुल गाँधीक यात्रा पर आईओसी प्रमुख सैम पित्रोदा कहलनि जे एनआरआई, व्यापारी नेता, छात्र, राजनीतिक नेता एतय राहुल गाँधीसँ गप्प करबाक लेल उत्सुक छथि। हम एकटा सफल यात्राक प्रतीक्षा करैत छी आ अमेरिकामे राहुल गाँधीक स्वागतक लेल उत्सुक छी।
ओ आगू कहलनि, “अलग-अलग क्षेत्रक लोकक सङ्ग कतेको कार्यक्रमक योजना बनाओल गेल अछि। एहिमे विशेष रूपसँ ओ लोक सम्मिलित छथि जे कांग्रेस शासित राज्यक छथि। विशेष रूपसँ बैंगलोर, हैदराबाद, मुम्बई आ पुणे सन तकनीकी शहरक लोकसभकेँ रुचि अछि। हम व्यवसाय आ प्रौद्योगिकी समुदायक संग बातचीत करय लेल सेहो बहुत उत्साहित छी।”
देखल जा रहल अछि जे राहुल गाँधी २०२४क लोकसभा परिणामक बाद जनहितक कतेको मुद्दा उठा कऽ लोकक समर्थन प्राप्त कऽ रहल छथि।
राहुल लोकसभा चुनाव २०२४मे रायबरेली आ वायनाडसँ चुनाव जीतलनि, मुदा ओ वायनाड लोकसभा सीट छोड़ि देलनि, आ रायबरेली सीटसँ सांसद बनब उचित समझलनि। ओ वायनाड सीटसँ अपन बहिन प्रियंका गाँधीकेँ आगू रखलनि अछि।
एहि साल जूनमे कांग्रेस कार्य समिति (सीडब्ल्यूसी) सँ स्वीकृति भेटलाक बाद हुनका लोकसभामे विपक्षक नेता (एलओपी) नियुक्त कयल गेल छल।